हुलाकमार्फत घर–घरमे राहदानी


चन्द्रपुर (रौतहट), २१ जेठः जिला प्रशासन कार्यालय रौतहट सेवाग्राहीके राहदानी जिला हुलाक कार्यालय रौतहटमार्फत घर–घरमे पहुँचेबाक सेवा सुरु केलक अइछ ।

जिला प्रशासन कार्यालय रौतहट आ जिला हुलाक कार्यालय बीच बितल वैशाख २४ गते भेल सम्झौताके बाद पहिल चरणमे २१ टा राहदानी सम्बन्धित सेवाग्राहीके घरमे जा क हस्तान्तरण अभियान सुरु कएल गेल अइछ । प्रमुख जिला अधिकारी दिनेशसागर भुसाल बुधदिन गौर नगरपालिका–२ महादेवपट्टिस्थित सेवाग्राही राजु राम आ विकास पासवानके घरमे जा क राहदानी हस्तान्तरण केलैन । राहदानी हस्तान्तरण करैत प्रजिअ भुसाल सरकारक सेवा जनताके घर–घरमे पहुँचेबाक उद्देश्यअनुसार ई अभियान सुरु कएल गेल बतौलैन ।

राहदानी वितरणमे हुलाक सेवाके प्रयोग कएलाक बाद सेवाग्राहीकेँ कार्यालय एबाक झन्झट कम होबाक सङे समय आ खर्च बचत होबाक प्रजिअ भुसाल बतौलैन । जिला प्रशासन कार्यालय आ जिला हुलाक कार्यालयके सहकार्यमे राहदानी वितरण प्रणालीकेँ थप सहज बनाबैत आब सेवाग्राही घरमे पासपोर्ट प्राप्त क सकबाक व्यवस्था लागू कएल गेल प्रजिअ भुसालके कहब छैन ।

घरमे राहदानी प्राप्त करए चाहैबला सेवाग्राही हुलाक शुल्कस्वरूप ५५ टका बराबरके टिकट खर्च चुक्ता करबाक व्यवस्था कएल गेल जिला हुलाक कार्यालयके प्रमुख देवनाथ यादव जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार पुरान तथा वितरण होबाक बाँकी रहल पासपोर्टसभ सेहो सम्बन्धित स्थानीय तहसँ समवंय क हुलाकमार्फत नागरिकके घरमे पहुँचेबाक तैयारी भ रहल अइछ । ग्रामीण क्षेत्रक नागरिक, ज्येष्ठ नागरिक, महिला, विद्यार्थी तथा वैदेशिक रोजगारीके तैयारीमे रहल सेवाग्राहीके लेल ई काज उपयोगी होबाक कार्यालय प्रमुख यादव बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय