प्रतिनिधि सभा बैसारः प्रधानमन्त्रीके सीमासम्बन्धी अभिव्यक्ति स्पष्ट करबाक लेल सांसदसभक माँग


काठमाण्डू, २५ जेठः प्रतिनिधि सभाक बैसारमे विपक्षी दलके सांसदसभ प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह इएह जेठ १७ गते सम्बोधनके क्रममे देने अभिव्यक्तिप्रति असहमति जनौलैन अइछ ।

प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे विपक्षी दलक सांसदसभ आसनसँ उइठ क विरोध जनौलाक बाद सभामुख डोल प्रसाद अर्याल हुनकासभकेँ बोलबाक लेल समय देने छलैन ।

बैसारमे सांसद पद्मा कुमारी अर्याल प्रधानमन्त्री शाहके सीमासम्बन्धी उक्त अभिव्यक्ति अभिलेखसँ हटेबाक माँग केलैन ।

वि.सं. २०७७ मे लिपुलेक, लिम्पियाधुरा, कालापानीकेँ नेपालक नक्सामे राखबाक विषयमे राष्ट्रिय सहमति जुटल ओ स्मरण करौलैन ।

तहिना, बैसारमे प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेससहित विपक्षी दलके सांसदसभ सन्तोष सुब्बा, हर्कराज साम्पाङ राई, वर्षमान पुन, ज्ञानेन्द्र बहादुर शाहीलगायत करके दर फेरबदल कएल गेल, भंसारकेँ मिला क चीनसँ गाड़ी आयातमे अनियमितता भेल विषय सञ्चारमाध्यमसँ सार्वजनिक भेल विषयप्रति छानबिन क दोषीकेँ कारबाही करबाक लेल जोड़ देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय