चेक अनादरके अभियोगमे सेफ सन्तोष साह पकड़ाएल


काठमाण्डू, ३० जेठः काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालयक टोली चेक अनादर तथा ठगी कसुरमे सेफ सन्तोष साहकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।

जिला अदालत काठमाण्डूके अनुमतिमे साहकेँ राइतमे महोत्तरीसँ गिरफ्तार क आइ काठमाण्डू आनल गेल काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालयक प्रहरी उपरीक्षक सरत कुमार थापाक्षेत्री राससकेँ जानकारी देलैन ।

ओ कहलैथ, “साहउपर गैरीधारास्थित एक रेष्टुराँ खरिद करैत काल चेक अनादर ठगी कसुरमे जिला अदालत काठमाण्डूके अनुमतिसँ गिरफ्तार क अखन काठमाण्डू आनल गेल अइछ (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय