बाली लगाबएसँ पहिने समर्थन मूल्य निर्धारण


काठमाण्डू, ३० जेठः कृषि, वन तथा वातावरण मन्त्रालय प्रमुख खाद्यान्न बालीके न्यूनतम समर्थन मूल्य (एमएसपी) तथा न्यूनतम खरिद मूल्य निर्धारणक लेल निर्देशिका जारी करैत बाली लगाबएसँ पहिने समर्थन मूल्य निर्धारण करबाक व्यवस्था लागू भेल जनौलक अइछ ।

मन्त्रालय अनुसार सरकारक १०० बिन्दु शासकीय सुधार कार्यक्रमअन्तर्गत प्रमुख खाद्यान्न बालीके एमएसपी निर्धारणसम्बन्धी काज पूरा भेल अइछ । अइ लेल ‘न्यूनतम समर्थन मूल्य आ न्यूनतम खरिद मूल्य निर्धारण सम्बन्धी निर्देशिका, २०८२’ जारी कएल गेल अइछ । उक्त निर्देशिका बितल वैशाख १६ गते मन्त्रीस्तरीय निर्णयसँ स्वीकृत भ कानून, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्रालयमे दर्ता कएल गेल तथा मन्त्रालयके वेबसाइटमे सार्वजनिक भेल मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

कृषि, वन तथा वातावरणमन्त्री गीता चौधरी निर्देशिकाअनुसार बाली लगाबएसँ पहिने न्यूनतम समर्थन मूल्य निर्धारण भेलासँ किसान अपन लागत, सम्भावित आम्दानी आ बजार अवस्थाक आधारमे बाली छनाैट क सकत कहलैन ।

आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क लेल गहुँम आ चैती धानके न्यूनतम समर्थन मूल्य मन्त्रिपरिषदसँ स्वीकृत भ चुकल मन्त्रालय जनौलक अइछ । तहिना आर्थिक वर्ष २०८३/८४ क लेल वर्षे धानके न्यूनतम समर्थन मूल्य इएह जेठ ११ गते बैसल मन्त्रिपरिषद बैसार निर्धारण केलक अइछ ।

मन्त्रिपरिषदके निर्णयअनुसार मोटका धानके न्यूनतम समर्थन मूल्य प्रतिक्विन्टल तीन हजार ६६० टका आ मध्यम धानके प्रतिक्विन्टल तीन हजार ८६० टका कायम कएल गेल अइछ ।

उइखके आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क लेल न्यूनतम खरिद मूल्य मन्त्रिपरिषदके २०८२ अगहन २२ गतेके निर्णयसँ निर्धारण भ चुकल अइछ । अगिला आर्थिक वर्ष २०८३/८४ क लेल उइखके न्यूनतम खरिद मूल्यसम्बन्धी प्रस्ताव अगिला कातिक महिनामे मन्त्रिपरिषदमे पेश कएल जेबाक मन्त्रालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय