धनुषामे राजगुठी सम्पत्तिके अतिक्रमण हटेबाक लेल गुठी संस्थानद्वारा सूचना जारी


काठमाण्डू, ३१ जेठः गुठी संस्थान धनुषा जिलामे रहल राजगुठीके मठ–मन्दिर परिसर, पोखैरके भिड़ तथा गुठी तैनाथी जग्गामे भेल अतिक्रमण तत्काल हटेबाक लेल जरुरी सार्वजनिक सूचना जारी केलक अइछ ।

संस्थानद्वारा शैनदिन जारी सूचनाअनुसार धनुषा जिलाक विभिन्न स्थानमे रहल राजगुठीके मठ–मन्दिर परिसर, पोखैरक भिड़ तथा गुठी तैनाथी जग्गा किछ व्यक्ति तथा संस्था अनधिकृत रूपमे अतिक्रमण क संरचना निर्माणसहित भोग चलन क रहल अइछ ।

एहन काजसँ सार्वजनिक तथा धार्मिक महत्वके सम्पत्तिक संरक्षणमे चुनौती सिर्जना कएने कहैत गुठी संस्थान सम्बन्धित सबकेँ तत्काल अतिक्रमण हटेबाक लेल आग्रह केलक अइछ । सूचनाके अवज्ञा क अनधिकृत संरचना वा कब्जा कायम राखल गेल तँ प्रचलित कानुनबमोजिम आवश्यक कारबाही करबाक संस्थान स्पष्ट केलक अइछ ।

गुठी संस्थान राजगुठीअन्तर्गतके मठ–मन्दिर, पोखैरी तथा गुठी जग्गाके संरक्षण आ व्यवस्थापन सब सरोकारवालाके सझिया दायित्व भेल उल्लेख करैत सार्वजनिक सम्पत्तिके संरक्षणमे सहयोग करबाक लेल स्थानीयवासी, सम्बन्धित निकाय तथा अतिक्रमणकारीकेँ आह्वान केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय