विदेश जेबाक लेल आब युवा बाध्य नै हएतः अर्थमन्त्री वाग्ले


काठमाण्डू, ३१ जेठः अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले अगिला पाँच सालमे युवाके अपन सपना पूरा करबाक लेल विदेश जेबाक बाध्यता अन्त्य होबाक बतौलैन अइछ ।

काठमाण्डूमे आइ आयोजित राष्ट्रिय युवा उद्यमशीलता सम्मेलन, २०८३ मे अर्थमन्त्री डा. वाग्ले अगिला सालके बजेटमार्फत युवाकेँ स्वदेशमे रोजगारी, शिक्षा आ अन्य अवसरके पर्याप्त अवसर सृजना करबाक बतौलैन । देशक युवाकेँ अपन सपना पूरा करबाक लेल विदेश जेबाक बाध्यता अन्त्य होबाक चाही कहैत ओ कहलैन, “आब ओहन स्थिति नै आबए तइ लेल जग बनेबाक हेतु बजेटसँ नीतिगत पहल सुरु कएने छी । बजेटक कार्यावंयनसँ ई आसान हएत ।”

देशभैरक युवा उद्यमीकेँ सम्बोधन करैत अर्थमन्त्री डा.वाग्ले करमे सहुलियत, बक्यौता उल्झनमे रहल उद्यमी आ व्यवसायीकेँ छुटके सहुलियत, सरकारी प्रशासनके डिजिटलाइजेसन आ सुशासनक एजेन्डा कार्यावंयनसँ देश निर्माणक नयाँ रस्तामे आगु बढ़बाक बतौलैन ।

बजेटमे करके दर घटा क एक लाख टकाधैर कमाएबला युवाकेँ महत्वपूर्ण सहुलियतसहित करके झन्झटसँ मुक्ति देल गेल हुनक कहब छलैन । अर्थमन्त्री डा. वाग्ले ओइके फाइदा लेबाक लेल सबकेँ आग्रह केलैन । बजेट बनाबैतकाल युवाके उद्यमशील सोच आ योजनाकेँ फैलाबैजका बेसी ध्यान देल गेल आ ओएह अनुसारक कार्यक्रम घोषणा भेल ओ बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय