हेटौँडा कपड़ा आ बुटवल धागा उद्योग अइ साल सञ्चालनमे आएत : उद्योगमन्त्री


काठमाण्डू, ३ अखारः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी बन्द रहल हेटौँडा कपड़ा आ बुटवल धागा उद्योग अइ सालसँ सञ्चालनमे आनब बताैलैन अइछ ।

प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक, २०८३ अन्तर्गत उद्योग मन्त्रालयक विनियोजन शीर्षकपर भेल बातचितमे उठल प्रश्नके जवाफ दैत ओ कपड़ा आ धागा उद्योग सञ्चालनक लेल कपास खेतीकेँ सङ्गे–सङ्गे ल जेबाक बतौलैन ।

“रुग्ण उद्योगक रूपमे रहल हेटौँडा कपड़ा उद्योग सबसँ पहिने सञ्चालनमे आएत । कपड़ा आ धागा उद्योग तथा कपास खेती सङे आगाँ बढ़ाबै पड़त । ई उद्योग अइ साल सञ्चालनमे आएत,” मन्त्री कुमारी कहलैन । ओ पेट्रोलियम पदार्थमे इथानोल मिसावटके काज आगाँ बढ़ल जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय