काठमाण्डू, ४ अखारः प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसार सुरु भेलाक लगले विपक्षी दलके सांसदसभ अपन–अपन आसनसँ उइठ क सरकार हमरासभक माँग कार्यावंयन नै कएने कहैत विरोध केलैन ।
ओइके बाद सभामुख सभामुख डोल प्रसाद अर्याल हुनकासभकेँ अपन विचार राखबाक लेल समय देलैन । ओइ क्रममे नेपाली कांग्रेसक सांसद नरेन्द्र कुमार केरुङ सम्पत्ति छानबिनसम्बन्धी आयोगके प्रतिवेदन, मानवअधिकारसम्बन्धी प्रतिवेदन कार्यावंयनलगायत अन्य विषयमे बेर–बेर सदनमार्फत सरकारके ध्यानाकर्षण करोलाक बादो कार्यावंयन नै कएल गेल शिकायत केलैन ।
नेकपा (एमाले) के सांसद लक्ष्मी प्रसाद पोखरेल बितल जेठ १७ गते प्रधानमन्त्री सदनमे देने अभिव्यक्तिप्रति असहमति व्यक्त केलैन । नेकपा एमालेके सांसद ऐन महर सदनके गरिमा कायम राखब सांसद आ सरकार दूनुके सझिया दायित्व भेल बतौलैन ।
नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी सांसद रमेश कुमार मल्ल प्रतिपक्षी दल संसदमे उठौने प्रश्नके उचित सम्बोधन नै भेल शिकायत केलैन । श्रम संस्कृति पार्टी सांसद हर्कराज राई भुटानी शरणार्थीके माँग आ समस्याके उचित सम्बोधन करबाक लेल सरकारसँ आग्रह केलैन ।
राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा)के सांसद ताहिर अली भाट पेट्रोलियम पदार्थके दाम कम घरबाक आ उपभोक्ताके आओर आर्थिक भार नै देबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करोलैन । (रासस)





