‘परम्परागत गृह प्रशासनकेँ ‘डिजिटल’ रुपान्तरण करब बजेटके लक्ष्य’


काठमाण्डू, ४ अखारः गृहमन्त्री सुधन गुरुङ अगिला आवके बजेट परम्परागत शैलीमे चइल रहल गृह प्रशासनकेँ ‘डिजिटल’ रुपान्तरण करबाक लक्ष्य रहल बताैलैन अइछ ।

प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक, २०८३ अन्तर्गत गृह मन्त्रालयके विनियोजन शीर्षकपर बातचितमे उठल प्रश्नके जवाफ दैत ओ बजेट अंकसभके सूचीमात्रे नै सुशासन, राष्ट्रिय सुरक्षा आ समृद्धिके राष्ट्रिय सङ्कल्प भेल बतौलैन ।

“नेपाली जनताके पसिनासँ सङ्कलित ई बजेटके एक/एक टका नागरिकके सेवामे लगानी करबाक आ राष्ट्रिय सुरक्षा मजबुत बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करैत छी”, गृहमन्त्री गुरुङ कहलैन । ओ सुरक्षाकर्मीके मनोबल बढ़ेबाक लेल थप कार्यक्रम आ बजेटके व्यवस्था कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।

नदीजन्य दोहन रोकए लेल मन्त्रालय प्रयासरत रहल जानकारी दैत ओ विभिन्न मन्त्रालयसँ समन्वय कएल गेल बतौलैन । गृहमन्त्री गुरुङ जाजरकोट भूकम्पसँ प्रभावितके समस्या समाधान करए लेल बजेट विनियोजन कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।

प्रहरीके पहिरन खरिदसम्बन्धी प्रक्रियामे आएल ‘शिकायत’ सम्बोधन करए लेल मन्त्रालय लागल बतौलैन । गृहमन्त्री गुरुङ कहलैन, “प्रहरीके पहिरनमे खर्चा होइत आएल नगद प्रहरीकेँ सीधा द क अपनेसँ खरिद करत से मन्त्रालयके योजना छै, ताकी कोनो बिचौलिया अइमे चलाखी नै क सकए।”

गृहमन्त्री गुरुङ निर्मला पन्त घटनाके खोजबिन करए लेल मन्त्रालय संवेदनशील रहल जानकारी देलैन अइछ । लागुऔषधके कारोबार आ सेवन, साइबर अपराध तथा सामाजिक सञ्जालके दुरुपयोग रोकए लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल हुनकर कहब छैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय