उमेर पहुँच क विआह केनिहार बेटीकेँ ५१ हजार नगद


महोत्तरी, ५ अखारः आब महोत्तरीके बर्दिबास नगर क्षेत्रके २० साल उमेर पहुँच क विआह केनिहार बेटी (महिला) ५१ हजार टका प्रोत्साहन देल जेबाक तय भेल अइछ । नगरके १८म नगरसभामे प्रस्तुत आर्थिक वर्ष २०८३/८४के नीति तथा कार्यक्रम एवम् बजेट वक्तव्यमे एहन घोषणा कएल गेल अइछ ।

“बालविवाह न्यूनीकरणक लेल अइ बेर प्रोत्साहनके व्यवस्था कएल गेल अइछ”, नगरप्रमुख प्रल्हाद कुमार क्षेत्री कहलैन, “आब शुरू होएबला नयाँ आर्थिक वर्ष २०८३/८४ मे ई प्रोत्साहन नगद उमेर पहुँच क विआह केनिहार नगर क्षेत्रके प्रत्येक बेटी पाएत ।” अइसँ बालविवाहकेँ निरुत्साहित करबाक सङे कानुनअनुसार सही उमेरमे विआह करए पड़त से सचेतना अभिवृद्धिमे सहयोग पहुँचबाक क्षेत्रीके विश्वास अइछ । बितल मङ्गलदिन प्रस्तुत नीति तथा कार्यक्रममे ई व्यवस्थाप्रति समाजमे हौसला मिलल ओ बतौलैन ।

अइसँ पहिने २०८० साल चैत ५ गते नगर क्षेत्रक मुशहर समुदायकेँ लक्षित क नगरप्रमुख उमेर पहुँच क विआह केनिहार मुशहर जोडीकेँ ५० हजार टका प्रोत्साहनके घोषणा कएने छल । तहिना अखनधैर बर्दिबास–१२के एक जोडी मात्र प्रोत्साहन नगद लेने नगर कार्यपालिकाके कार्यालयक अभिलेखमे उल्लेख छै ।

१४ वाडके नगरपालिका क्षेत्रमे सब वाडमे मुशहर समुदायके बसोबास अइछ । मुदा प्रोेत्साहन नगदकेँ एक जोडी मात्रे दाबी करबाक अर्थ हिनकासभमे अखनो बालविआह कायेमे रहल अनुमान रहल बर्दिबास–२ क सामाजिक–राजनीतिक कार्यकर्ता देवनारायण महतो बताैलैन ।

अखन एक लाख हाराहारीके जनसङ्ख्या भेल नगरपालिकामे अइ ठाँमक १३ वाडसभ पछिला दू सालमे बालविवाह मुक्त वाड घोषणा भेल अइछ । आब बर्दिबास–१२ मात्र बालविवाह मुक्त क्षेत्र घोषणा होएबाक बाँकी अइछ ।

नगरके आमसमुदायके बेटीक लेल ई व्यवस्था भेलोपर मुशहर समुदायके हकमे पुरुष, महिला दुनुकेँ देल जेबाक पहिनुकबे व्यवस्था कायम राखल गेल नगरप्रमुख क्षेत्री स्पष्ट केलैन । मुशहर समुदायमे बालविवाह बेसी भेलासँ एकरा नियन्त्रण करए लेल पुरुष, महिला दुनुकेँ प्रोत्साहन देल जेबाक व्यवस्था कायम कएल गेल हुनकर कहब छैन । नगरपालिकाके ई नयाँ निर्णयकेँ महिला अधिकारवादीसभ सामाजिक सुधारमे सहयोग पहुँचबाक प्रतिक्रिया देने छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय