जनकपुरधामकेँ व्यवस्थित शहर बनेबाक काज शुरू


जनकपुरधाम, ५ अखार : जनकपुरधामकेँ व्यवस्थित शहर बनेबाक काज शुरू भेल अइछ । जनकपूरधाम हाल मधेश प्रदेशक राजधानी छै ।

एशियन विकास बैंक (एडिबी)के आर्थिक सहयोगमे फोहर व्यवस्थापन सुधार, खानेपानीके आपूर्ति, वर्षामे पाइनके उचित व्यवस्थापन तथा सड़क स्तरोन्नति, ढल निकासमे सुधार मार्फत जनकपुरधामकेँ व्यवस्थित शहर बनेबाक काज शुरू कएल गेल अइछ ।

एकीकृत शहरी विकास परियोजना (आयुडिपी) अन्तर्गत प्राप्त कुल दू अरब १३ करोड टका कर्जा स्वीकृतिमे शहरके सौन्दर्यता बढ़ेबाक उद्देश्यसँ जनकपुरधामकेँ गौरवयोग्य शहर बनेबाक उपमहानगरपालिकाक प्रमुख मनोज कुमार साह बतौलैन ।

नेपाल सरकारक ७५ प्रतिशत आ बाँकी स्थानीय उपमहानगरपालिका देबाक उक्त योजनाके लेल बोलपत्र आह्वान प्रक्रिया शुरू भ चुकल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय