गौतमबुद्ध अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल सञ्चालनमे आएत: पर्यटनमन्त्री पौडेल


देवदह (रुपन्देही), ६ अखारः संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उडड्यनमन्त्री खडक राज पौडेल गौतमबुद्ध अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल सञ्चालन होबाक बताैलैन अइछ ।

ट्राङ्क्विलिटी स्पा शुक्रदिन रुपन्देहीके भैरहवामे आयोजित कएल एक कार्यक्रममे ओ एकर लेल सरकार आवश्यक गृहकार्य क रहल जानकारी देलैन अइछ ।

राजनीतिक तथा कुटनीतिक कारण विमानस्थल नै चलत से बातमे सत्यता नै रहल हुनकर कहब छलैन । मन्त्री पौडेल नीतिगत त्रुटी मूलभूत कारण भेल उल्लेख करैत एकरा सुधारबाके कार्य भ रहल हुनकर कहब छैन ।

पौडेल कहलैन “घरेसँ श्रम स्वीकृति लेबाक व्यवस्था कएल गेल छै । अइ लेल काठमाण्डू नै जाए पड़त । ”

मन्त्री पौडेल जहाजमे केवल नेपाली श्रमिककेँ विदेश ल जाएब आ घर आनब अइसँ बेसी पर्यटक (यात्री) अनबाक लेल प्रवर्धन कार्यक्रम करबाक आवश्यक रहल बतौलैन । ओ भविष्यमे निजगढ विमानस्थल सेहो बनबाक चाही बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय