मनसुनके प्रभाव सीमित, तराईमे हावा चलबाक पूर्वानुमान


काठमाण्डू, १२ अखारः हाल कोशी, मधेश आ बागमती प्रदेशक सम्पूर्ण क्षेत्र, गण्डकी प्रदेशक किछ तथा लुम्बिनी प्रदेशक पूरबमे मनसुनी वायुके प्रभाव अइछ । आन क्षेत्रमे पश्चिमी आ स्थानीय वायुके आंशिक प्रभाव अइछ ।

जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार हाल हिमाली आ पहाड़़ी क्षेत्रमे सामान्यतया बदली आ तराईमे आंशिक बदली अइछ ।

आइ दुपहर हिमाली आ पहाड़़ी तथा कोशी प्रदेशक तराईमे सामान्यतया बदली रहत । मधेश प्रदेश तथा बागमती आ गण्डकी प्रदेशके तराईमे आंशिक बदली रहत तथा लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराईमे मुख्यतया मौसम साफ रहत ।

कोशी प्रदेशक तराई तथा मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे, बागमतीके एक दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठण्कासहित मध्यम वर्षाके सम्भावना अइछ ।

तहिना, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशके तराईमे गरम हावा तथा किछ स्थानमे तापक्रम बढ़बाक सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ ।

आइ राइत कोशी प्रदेशक तराई आ मधेश प्रदेशमे सामान्यतया बदली रहत । किछ स्थानमे मेघगर्जन तथा ठण्कासहित मध्यम वर्षाके सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ ।

महाशाखा गरम हावा चलबाक आ तापक्रम वृद्धि होबाक पूर्वानुमान कएल गेल स्थानके सर्वसाधारणकेँ सतर्कता अपनेबाक आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय