काठमाण्डू, १३ अखारः चोरी क अमेरिका पहुँचाएल १३म शताब्दीके शाक्यमुनि बुद्धके प्रस्तर मूर्ति स्थानीय न्हुच्छेवहालमे विधिपूर्वक पुनःस्थापना कएल गेल अइछ ।
काठमाण्डू महानगरपालिका, पुरातत्व विभाग तथा सम्पदा अभियन्तासहितके समन्वयमे ताहि ठाँम उक्त मूर्ति पुनःस्थापना कएल गेल अइछ । पुरातत्व अधिकृत सरिता सुवेदी अनुसार चोरी भेल उक्त मूर्ति अमेरिकामे देखलाक बाद पुरातत्व विभाग अमेरिकास्थित तिब्बत हाउस कलेक्सनसँ समन्वय क नेपाल फिर्ता आनल गेल अइछ । अमेरिकाके एक सङ्ग्रहालयमे रहल मूर्ति सरकार, विभिन्न संस्था, विद्वान् तथा स्वदेशी–विदेशी सम्पदा अभियन्ताके सहकार्यमे नेपाल आनल गेल छल ।
अन्तर्राष्ट्रीय कानुनअनुसार कोनो देशक सांस्कृतिक सम्पदा आन देशमे पहुँचल अवस्थामे आवश्यक कानुनी प्रक्रिया पूरा क सम्बन्धित देशेमे फिर्ता करबाक व्यवस्था रहलासँ सएह प्रक्रियाअनुसार उक्त सम्पदा नेपाल आनल गेल अधिकृत सुवेदी बतौलैन। नेपालसँ चोरी भेल मूर्ति, कलावस्तु तथा अन्य सांस्कृतिक सम्पदा कोनो देशमे रहल सूचना प्राप्त भेलाक बाद पुरातत्व विभाग कूटनीतिक माध्यमसँ तकरा फिर्ता अनबाके प्रक्रिया आगू बढ़ाबैत अइछ।
काठमाण्डू उपत्यकामे मध्यकालीन समयमे निर्माण भेल काष्ठकला, मूर्तिकला, प्रस्तरकला तथा वास्तुकलाक उत्कृष्ट नमूना विभिन्न मठमन्दिरमे सुरक्षित अइछ। एहन सम्पदा तत्कालीन समाजके कला, संस्कृति तथा निर्माण शैलीके अध्ययनमे महत्वपूर्ण आधार प्रदान करैत आएल अइछ । रासस





