मनसुन आओर सक्रिय, अगिला हप्ता अधिकांश स्थानमे वर्षा


काठमाण्डू, १४ अखारः कमजोर रहल मनसुन अगिला हप्ता आओर सक्रिय होबाक आ विभिन्न ठाममे वर्षा होबाक जनाओल गेल अइछ ।

जल तथा मौसम विज्ञान विभागक मौसमविद् रोजन लामिछाने अगिला हप्ता मनसुन आओर सक्रिय भ अधिकांश स्थानमे वर्षा होबाक जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार मङ्गलदिनके बाद सेहो किछ क्षेत्रमे भारी वर्षा हएत ।

आइ राइत कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागके एक–दू स्थानमे भारी वर्षा तथा कोशी प्रदेशक तराई आ मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे हावाबिहाइरके सेहो सम्भावना रहल जनाओल गेल अइछ । ओएह दिन सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई भू–भाग तथा लुम्बिनी प्रदेशक पश्चिम तराई क्षेत्रक किछ स्थानमे गरम हावाके सम्भावना अइछ ।

सोमदिनसँ वर्षा थप बढ़त । सोमदिन देशभैर साधारणतया मेघ लागत तथा देशक पहाड़ी र हिमाली भू–भागका केही स्थानमा मेघगर्जन/चट्याङसहित मध्यमसम्म वर्षा/हिमपातको तथा तराई भू–भागका थोरै स्थानमा मेघगर्जन/चट्याङसहित मध्यमसम्म वर्षाको सम्भावना रहेको जनाइएको छ ।

कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक एक–दू स्थानमे भारी वर्षाके सेहो सम्भावना अइछ । कोशी प्रदेशक तराई आ मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे हावाबिहाइर सेहो होबाक विभाग जनौलक अइछ । सोमदिन राइतसँ थप सक्रिय भ कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ तराईके किछ स्थानमे भारी वर्षाके सम्भावना अइछ ।

मधेश प्रदेशक एक–दू स्थानमे सेहो भारी वर्षाके सम्भावना अइछ । कोशी प्रदेश, बागमती गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई आ मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे हावाबिहाइरके सम्भावना रहल विभाग जानकारी देलैन ।

मौसमविद धर्मराज उप्रेतीके कहब अनुसार अखार १४ सँ १७ गतेधैर मनसुन थप सक्रिय भ अखार १६ सँ १८ गतेधैर भारी वर्षा होबाक आ रोपनीके वातावरण बनबाक बतौलैन । सोमदिनके बाद पश्चिम नेपाल बाँकेसँ कञ्चनपुरधैर वर्षा होबाक ओ जानकारी करौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय