प्रतिनिधि सभासँ राष्ट्र ऋण उठेबाक विधेयक पारित


काठमाण्डू, १४ अखारः प्रतिनिधि सभासँ राष्ट्र ऋण उठेबाक विधेयक, २०८३ पारित भेल अइछ । सभाके आजुक बैसारमे अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले राखने उक्त ‘विधेयककेँ पारित कएल जाए’ प्रस्ताव सर्वसम्मतिसँ पारित भेल अइछ ।

उक्त विधेयकपर दफावार परामर्शमे उठल प्रश्नके जबाब दैत अर्थमन्त्री वाग्ले ऋण ल क उत्पादनमूलक आयोजनामे खर्च करबाक बतौलैन । “विदेशी ऋण पूर्वाधार आयोजनाके लेल निर्धारण भ क आबैत छै । उक्त आयोजना अर्थतन्त्रके गतिविधिकेँ चुस्त बनेबाक, दूरी कम करबाक आ लागत घटेबाक काज करैत छै”,ओ कहलैन, “मुदा, ऋण ल क निर्माण कएल गेल दूटा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके अवस्थासँ अलग परिदृश्य देखौने छै, हमरासभकेँ निगरानी करए पड़त ।”

ओइसँ पहिने बैसारमे सभामुख डोल प्रसाद अर्याल विधेयकपर प्राप्त संशोधनकेँ निर्णयार्थ प्रस्तुत कएने छलैन । सांसद परशुराम तामाङ आ रेखा कुमारी यादव राखने संशोधन प्रस्ताव बैसारसँ अस्वीकृत कएल गेल छल, तँ सांसद हरिप्रसाद भुसाल अपन संशोधन फिर्ता लेने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय