काठमाण्डू, १७ अखारः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके प्रथम राष्ट्रिय महाधिवेशनसँ निर्वाचित पदाधिकारी तथा केन्द्रीय सदस्य शपथ लेलक अइछ । चमतीस्थित केन्द्रीय कार्यालयमे आइ आयोजित कार्यक्रममे सभापति रवि लामिछाने पदाधिकारी आ केन्द्रीय सदस्यकेँ शपथ करेलैन ।
सभापति लामिछाने नवनिर्वाचित केन्द्रीय सदस्यकेँ प्रमाणपत्र आ ‘घण्टी’ उपहार देने छलैथ । केन्द्रीय सदस्यके शपथके बाद सभापति लामिछाने निर्वाचित पदाधिकारीकेँ शपथ करेलैथ ।
इएह अखार ७सँ १२ गतेधैर चितवनके भरतपुरमे रास्वपाके पहिल महाधिवेशन भेल छल । महाधिवेशन सभापति, दू उपसभापति, एक महामन्त्री आ तीन सहमहामन्त्रीसहित ९९ सदस्यीय केन्द्रीय समिति निर्वाचित कएने छल । सभापतिमे निर्वाचित रवि लामिछाने अइसँ पहिने शपथ लेने छल। (रासस)





