जलवायु उत्थानशीलता अभिवृद्धिक लेल नेपालकेँ ८.५ मिलियन अमेरिकी डलर अनुदान


काठमाण्डू, १७ अखारः हरित जलवायु कोष (जिसिएफ) बोर्डके ४५म बैसार नेपालमे जलवायु उत्थानशीलताक लेल ८.५ मिलियन अमेरिकी डलर अनुदानके वित्तीय प्रस्ताव स्वीकृत केलक अइछ ।

बोर्ड ‘कर्णाली प्रदेशमे जीविकोपार्जनके अवसर तथा स्थानीय क्षमता अभिवृद्धिसँ वनमे निर्भर समुदायके जलवायु उत्थानशीलता निर्माण’ शीर्षकके उक्त वित्तीय प्रस्ताव बुधदिन स्वीकृत केलक अइछ ।

अइसँ नेपालके जलवायु वित्त यात्रामे दोसर महत्त्वपूर्ण उपलब्धि भेल अइछ । ई परियोजना राष्ट्रिय प्रकृति संरक्षण कोष (एनटिएनसी) जिसिएफके प्रत्यक्ष पहुँच प्राप्त निकायके रूपमे सरलीकृत स्वीकृति प्रक्रियाअन्तर्गत विकास केलक अइछ ।

कूल ९.२ मिलियन अमेरिकी डलर लगानी रहल अइ चाइर वर्षीय पहलमे जिसिएफसँ ८.५ मिलियन अमेरिकी डलर अनुदान समावेश अइछ । अइ परियोजना नेपालके जलवायु परिवर्तनप्रति सबसँ संवेदनशील प्रदेशसभमध्ये एक कर्णाली प्रदेशमे पारिस्थितिकीय प्रणालीके सहनशीलता, जलवायु–सहनशील जीविकोपार्जन तथा संस्थागत क्षमता सुदृढ करत ।

नाजुक पर्वतीय पारिस्थितिकीय प्रणाली, कठिन भूगोल, उच्च गरिबी दर तथा भुस्खलन, बाइढ़ आ लम्बा रौदी लगायत जलवायुजन्य विपदके बढ़ैत जोखिमसँ कर्णाली प्रदेश देशमे जलवायु परिवर्तन सबसँ संवेदनशील क्षेत्रमध्ये एक छी ।

उक्त परियोजना राष्ट्रिय, प्रादेशिक तथा स्थानीय संस्थासभ बीचके साझेदारीसँ कार्यान्वयन कएल जाएत। जिसिएफके मान्यताप्राप्त निकायके रूपमे रहल एनटिएनसी सहकार्यान्वयन निकायके भूमिका निर्वाह करत ।

एनटिएनसीके सदस्य–सचिव डा चिरञ्जीवीप्रसाद पोखरेल सरकारी निकाय तथा समुदायसँ सहकार्य करैत प्रकृतिमे आधारित दीर्घकालीन जलवायु उत्थानशीलता प्रदान करए लेल तथा अन्तर्राष्ट्रीय जलवायु वित्तमे काज करए उत्साहित रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय