संविधान संशोधनमे दलित अधिकारकेँ प्राथमिकता देबाक आग्रह


काठमाण्डू, २४ अखारः स्वतन्त्र दलित नागरिक समाज नेपाल संविधान संशोधन प्रक्रियामे दलित समुदायक अधिकार, समानुपातिक प्रतिनिधित्व, सामाजिक न्याय आ समावेशिताक सवालकेँ सम्बोधन करए लेल सरकार, संघीय संसद आ राजनीतिक दलसँ आग्रह केलक अइछ ।

आइ आयोजित पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे संस्थाक संयोजक कर्णबहादुर नेपाली संविधान संशोधनकेँ दलित अधिकार आओर सुदृढ करबाक ऐतिहासिक अवसरके रूपमे उपयोग करबाक चाही बतौलैन ।

ओ दलित समुदायके अर्थपूर्ण सहभागिता बिना संविधान संशोधन सामाजिक न्यायके उद्देश्य पूरा नै होबाक उल्लेख करैत संशोधन प्रक्रिया सहभागितामूलक, समावेशी आ मानवअधिकारमैत्री बनेबाक लेल जोड़ देलैन ।

संस्था छुवाछूत तथा जातीय विभेद विरुद्ध संवैधानिक व्यवस्थाकेँ आओर प्रभावकारी, राज्यके सब निकायमे समानुपातिक समावेशी प्रतिनिधित्व सुनिश्चित, भूमिहीन दलितके भूमि तथा आवास अधिकार तथा राष्ट्रिय दलित आयोगकेँ अधिकारसम्पन्न बनेबाक माँग केलैन।(रासस)
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय