आइ मध्यराइतसँ स्थानीय तहके सूत्र प्रणाली बन्द हएत


काठमाण्डू, २५ अखार: महालेखा नियन्त्रक कार्यालय स्थानीय तहके लेल आर्थिक कारोबार सञ्चालनमे प्रयोग भेल ‘स्थानीय सञ्चित कोष व्यवस्थापन प्रणाली’ (सूत्र) आइ मध्यराइतसँ बन्द होबाक जनौलक अइछ ।

उपमहालेखा नियन्त्रक यज्ञप्रसाद ढकाल आर्थिक कार्यविधि तथा वित्तीय उत्तरदायित्व नियमावली २०७७के नियम ३०के उपनियम १ बमोजिम आर्थिक वर्ष समाप्त होएसँ कम्तीमे सात दिन पहिने भुक्तानी द क निकासी आ खर्चके लेखाजोखा अद्यावधिक करैत भुक्तानी बन्द करबाक व्यवस्थाअनुसार सूत्र प्रणाली बन्द कएल जा रहल बतौलैन ।

कार्यालय सएह नियमावलीके नियम ३० उपनियम ७ अनुसार उक्त समयपश्चात् २०८३ अखार ३२ गतेधैर हिसाब मिलान करबाक प्रयोजनके लेल मात्रे सञ्चालनमे आनल जेबाक जनौलक अइछ ।

भुक्तानीमे कट्टी भ क दाखिला बाँकी रहल दायित्वसभ अग्रिम आयकर, मूल्य अभिवृद्धि कर, पारिश्रमिक कर, कार्यालय सञ्चालन कोष, नागरिक लगानी कोष, सावधिक जीवन बिमा कोष योगदानमे आधारित निवृत्तिभरण कोष सहितके नगद एवम् कट्टी भेल धरौटी नगद आदि बैंक जमा क सकबाक जनौलक अइछ ।

एहिना २०८३ अखार २५ गतेधैर स्थानीय सञ्चित कोष व्यवस्थापन प्रणाली (सूत्र )सँ भेल ‘इएफटी’मध्ये विभिन्न कारणसँ टान्सफर रिजेक्ट भेल इएफटीसभके पुन: भुक्तानी सेहो कएल जा सकत ।

संघीय तथा प्रदेश सरकारसँ प्राप्त सशर्त, समपुरक अनुदान, विशेष अनुदानके नगद कोलेनिका तथा प्रलेनिका-प्रदेश लेखा एकाइ कार्यालयमे २०८३ अखार महिनाधैर निकासा फिर्ता क सकबाक उल्लेख कएल गेल अइछ ।

महालेखा नियन्त्रकके कार्यालय स्थानीय तहके खर्च खाता, राजस्व खाता तथा अन्य खातासँ सञ्चित कोष खातामे नगद ट्रान्सफर क सकबाक कहल गेल छै । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय