राष्ट्रियसभा : आत्मदाह कएने नेपालीक सम्बन्धमे खोजबिनके माँग


काठमाण्डू, २६ अखार : राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारके आकस्मिक समयमे सांसदसभ त्रिपुरेश्वरके राहदानी विभागके आगू आत्मदाह केनिहार गणेश नेपालीके सम्बन्धमे निष्पक्ष खोजबिन करबाक माँग केलैन अइछ ।

सांसद नरबहादुर विष्ट घायल नेपालीके उद्धारमे ट्राफिक प्रहरी आ काठमाण्डू महानगरके नगरप्रहरी मानवीय व्यवहार नै केलक से दाबी केलैन । सांसद सोमनाथ पोर्तेल आ तुलप्रसाद विश्वकर्मा सेहो उक्त घटनाक सम्बन्धमे सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय