अमेरिकी बजारमे नेपाली उत्पादनके पहुँच सुनिश्चित करबाक लेल आग्रह


काठमाण्डू, ३२ अखारः उद्योग, वणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी यादव अमेरिकी बजारमे नेपाली उत्पादनके पहुँच सुनिश्चितताके लेल आग्रह केलैन अइछ ।

अमेरिकी दूतावासक कार्यवाहक राजदूत स्कट अर्बम आइ मन्त्रालयमे कएने शिष्टाचार भेटमे उद्योगमन्त्री यादव सन् २०१५ मे सुरु भेल ‘नेपाल ट्रेड प्रिफरेन्स प्रोग्राम’ के अवधि सन् २०२५ डिसेम्बरमे पूरा भेलासँ नेपाली उत्पादनकेँ उक्त सुविधा पुनः थप करबाक लेल आग्रह केलैन ।

मन्त्री यादव दू देश बीच भेल ‘व्यापार तथा लगानी ढाँचा सम्झौता’ अन्तर्गतके संयन्त्रकेँ नियमित संवादमार्फत सक्रिय बना दू पक्षीय व्यापार आ लगानी प्रवर्द्धन करबाक लेल जोड़ देलैन ।

नेपालमे नीतिगत तथा कानुनी सुधारमार्फत लगानीमैत्री वातावरण सुदृढ़ बनौने जानकारी दैत ओ थप अमेरिकी लगानीकेँ आकर्षित करबाक लेल सरकार उत्सुक रहल बतौलैन ।

मन्त्री यादव जलविद्युत तथा नवीकरणीय ऊर्जा, पर्यटन पूर्वाधार, कृषि प्रशोधन, उत्पादनमूलक उद्योग आ डिजिटल अर्थतन्त्र जेहन क्षेत्रमे अमेरिकी लगानीके लेल आग्रह कएने हुनक सचिवालय जनौलक अइछ ।

भेटमे अमेरिकी कार्यवाहक राजदूत स्कट व्यापार सहुलियतके निरन्तरता आ लगानी प्रवर्द्धनमे अमेरिका सकारात्मक रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय