काठमाण्डू, ३२ अखारः नेपाल आ भारतक ऊर्जा सचिवस्तरीय संयुक्त निर्देशक समितिक बैसार नेपालसँ एक हजार ६ सओ ५० मेगावाट बराबरके बिजुली निर्यात करबाक विषयमे सहमति जनौलक अइछ ।
हाल सञ्चालनमे रहल ढल्केबर–मुजफ्फरपुर आ ढल्केबर सीतामढी अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनसँ एक हजार ४ सओ मेगावाट बिजुली आयात करबाक सहमति भेल अइछ ।
तहिना, निर्यातदिस एक हजार एक सओ मेगावाटसँ एक हजार ६ सओ ५० मेगावाट पहुँचेबाक सहमति भेल ऊर्जा जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सहसचिव सन्दीप कुमार देव जानकारी देलैन ।
तहिना, चमेलिया जौलजीवी २ सओ २० केभी ‘डबल सर्किट’ प्रसारण लाइनके विस्तृत आयोजना प्रतिवेदन बैठकसँ स्वीकृत कएल गेल अइछ । उक्त आयोजना २०२८ के डिसेम्बरधैर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ ।
न्यू पुर्निया आ दोदोधारा बरेली ४ सओ केभी क्षमताके अन्तरदेशीय प्रसारण लाइन निर्माणक लेल संयुक्त उपक्रम कम्पनी स्थापना करबाक प्रक्रियाकेँ तीव्रता देबाक सहमति सेहो बैसारमे भेल प्रवक्ता देव जानकारी देलैन ।
तहिना, मोतिहारी– निजगढ ४ सओ केभी डबल सर्किट, लखनऊ कोहलपुर ४ सओ केभी प्रसारण लाइनके हकमे थप प्राविधिक अध्ययन कएल जाएत । नयाँ बुटवल–गोरखपुर ४ सओ केभी प्रसारण लाइन तत्कालके लेल २ सओ २० केभीमे सञ्चालन करबाक प्राविधिक सहमति भेल अइछ ।
उक्त प्रसारण लाइनके नेपाल खण्डके निर्माण २०२६ के अगस्तधैर सम्पन्न हएत । तहिना, सबस्टेसनके निर्माण २०२७ के डिसेम्बरधैर सम्पन्न हएत । उक्त प्रसारण लाइनसँ तत्काल एक सओ ३० मेगावाट बराबरके बिजुली आयात क सकबाक आ २ सओ मेगावाट बराबर निर्यात कएल जा सकैय ।
ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सचिव सरिता दवाडी आ भारत सरकारक विद्युत मन्त्रालयके सचिव पङ्कज अग्रवालके सहअध्यक्षतामे निर्देशक समितिके १३म बैसार बुधदिन पोखरामे सम्पन्न भेल ।
ओइसँ पहिने मङ्गलदिन पोखरामे संयुक्त कार्यदलके १३म बैसार सम्पन्न भेल छल । उक्त बैसारके सहअध्यक्षता ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सहसचिव सन्दीप कुमार देव आ भारत सरकारके विद्युत मन्त्रालयके सहसचिव (प्रसारण) पङ्कज कुमार केलैन ।
बैसारमे जलविद्युत परियोजनाके विकास, विद्युत व्यापार आ प्रसारण पूर्वाधारलगायत दू पक्षीय ऊर्जा क्षेत्रक विविध सहकार्यके विविध विषयमे समीक्षा कएल गेल छल ।
दूनु पक्ष ४ सओ केभी गोरखपुर–न्यू बुटवल लाइनसहित नयाँ प्रसारण लाइनके विकासमे भेल प्रगतिके प्रशंसा कएल गेल छल । हाल सञ्चालनमे रहल आ प्रस्तावित विद्युत उत्पादन तथा प्रसारण आयोजनाक कार्यावंयनकेँ तीव्रता देबाक लेल आवश्यक सहजीकरण करबाक उपायके बारेमे परामर्श कएल गेल छल ।
ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालय अनुसार दूनु देशक ग्रिडके समवंयात्मक सञ्चालन, सौर्य ऊर्जा परियोजनाके विकास, ग्रिन हाइड्रोजनमे सहकार्य आ नेपाली विज्ञसभक क्षमता अभिवृद्धिलगायतक विषयमे परामर्श भेल छल । (रासस)





