आइ भारी वर्षाक सम्भावना, सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह


काठमाण्डू, २ साओन : जल तथा मौसम विज्ञान विभाग आइ देशक विभिन्न ठाममे भारीसँ अति भारी वर्षाक सम्भावना भेलासँ आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह कएने अइछ।

विभागक मौसमविद् सञ्जीव अधिकारी अनुसार हाल देशभैर मनसुनी वायुक प्रभाव अइछ। मनसुनके न्यून चापीय रेखा पश्चिम दिस सरदर स्थानसँ किछु उपर तराईके अगलबगल तथा पूरब दिस सरदर स्थानके अगलबगल रहलासँ अगिला तीन दिनधैर उल्लेख्य वर्षाक सम्भावना अइछ।

आइ कोशी, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशका पहाड़़ी तथा तराई भूभागक किछु स्थानमे भारी वर्षा तथा एक-दू स्थानमे बहुत भारी वर्षाके सम्भावना अइछ। सम्भावित वर्षाक कारण गेग्रान बहाव, बाढ़ी, भुस्खलन तथा भूक्षयक जोखिम बढ़ाक भेलासँ प्रभावित क्षेत्रक बासीकेँ विशेष सावधानी अपनाबय पड़त।

आइ दुपहर देशभैर सामान्यसँ पूर्ण बदली रहत। देशक अधिकांश पहाड़़ी तथा तराई भूभागमे मेघगर्जन आ ठण्का सहित मध्यम वर्षाक सम्भावना अइछ ।

आइ राइत सेहो देशभैर अधिकांश स्थानमे मेघगर्जन आ ठण्का सहित वर्षा होबाक सम्भावना अइछ। कोशी, बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशके पहाड़़ी तथा तराईके एक-दू स्थानमे बहुत भारीसँ अति भारी वर्षाके सम्भावना भेलासँ उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल विभाग आग्रह कएने अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय