काठमाण्डू, ६ साओन: सर्वोच्च अदालत नेपाली कांग्रेसक सांसद अभिषेक प्रताप शाह विरुद्ध जारी भेल गिरफ्तार पुर्जीके तत्काल कार्यान्वयन नै करए लेल अल्पकालीन आदेश जारी कएने अइछ।
न्यायाधीश अब्दुल अजीज मुसलमानके एकल इजलास आइ शाह विरुद्ध जारी भेल गिरफ्तार पुर्जीक तत्काल कार्यान्वयन नै करए लेल सरकारक नाममे अल्पकालीन आदेश कएने अइछ।
सांसद शाह अपन विरुद्ध जारी भेल गिरफ्तार पुर्जी बदर करबाक आदेशके माँग करैत गृह मन्त्रालय, कपिलवस्तु जिला अदालत आ जिला प्रहरी कार्यालय कपिलवस्तुकेँ विपक्षी बना क रिट निवेदन दायर कएने छल। अदालत ओइ विषयमे १५ दिन भितर लिखित जवाफ सेहो माँग कएने अइछ।
सांसद शाह विरुद्ध कपिलवस्तुक कृष्णनगरमे कृष्णनगर उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष सीताराम शर्मापर माइरपिट कएने आरोप लागल छल। (रासस)





