भारत सरकारपर दबाब दैत ‘कक्रोच जनता पार्टी’के आन्दोलन


नयाँ दिल्ली, ६ साओन (रासस/एपी) : सामाजिक सञ्जालमे शुरू भेल व्यङ्ग्यात्मक अभियान अखन भारतके प्रमुख युवा आन्दोलनक रूपमे विकसित भेल अइछ।

स्वंयकेँ ‘कक्रोच’ (झुंगुर) कहएबला युवासभ शिक्षा प्रणालीक कमजोरी विरुद्ध शुरू कएल गेल आन्दोलनकेँ सरकारी जवाफदेहीक व्यापक अभियानमे रूपान्तरण कएने अइछ। भाजपा नेतृत्वके सरकार विरुद्ध हालके वर्षमे सबसँ उल्लेखनीय सार्वजनिक चुनौतीक रूपमे देखल जा रहल अइछ।

अदालतक टिप्पणीसँ आन्दोलनक शुरूवात
आन्दोलनक पृष्ठभूमिमे चिकित्सा कलेज तथा सरकारी सेवाक प्रवेश परीक्षामे प्रश्नपत्र चुहावटके घटना प्रति जनआक्रोश बइढ़ रहल अइछ। बेर-बेर परीक्षा रद्द वा पुनः संचालन कएलासँ लाखो विद्यार्थी प्रभावित भेल छैथ।

मेइ महिनामे सर्वोच्च अदालतके न्यायाधीश सूर्यकान्त एक सुनुवाइक क्रममे किछु बेरोजगार युवाकेँ ‘कक्रोच’ सँ तुलना कएलापर ओकर सामाजिक सञ्जालमे व्यापक प्रतिक्रिया देखल गेल छल। ओकर बाद बोस्टन विश्वविद्यालयके विद्यार्थी अभिजित दिपके ‘कक्रोच जनता पार्टी (सीजेपी)’ गठन कएने छल।

कतेको युवा ‘कक्रोच’केँ दृढता आ संघर्षक प्रतीकके रूपमे अपनेलक। सामाजिक सञ्जालके माध्यमसँ अभियान तीव्र गतिसँ फैलैत लाखो समर्थक जुड़ल। समर्थकसभ बेरोजगारी, सीमित रोजगारीक अवसर आ आर्थिक दबाब बारे सरकारक आलोचना करैत व्यङ्ग्यात्मक सामग्री सार्वजनिक करए लागल छल।

जुनमे अभिजित दिपके भारत घुरलाक बाद आन्दोलन सड़कपर सेहो विस्तार भेल। विभिन्न शहर आ विश्वविद्यालयमे विरोध प्रदर्शन आयोजित कएल आ नयाँ दिल्लीके जन्तर–मन्तर आन्दोलनक मुख्य केन्द्र बनल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय