सुनसरी घटनाक बारेमे प्रधानमन्त्रीद्वारा अपिलः दोषीकेँ कारबाही, पीड़ितकेँ न्याय आ क्षतिपूर्ति देल जाएत


काठमाण्डू, १३ साओनः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह सुनसरीमे भेल घटनाप्रति दुःख व्यक्त करैत मृतकके परिवारकेँ न्याय, पीड़ितकेँ क्षतिपूर्ति आ दोषीकेँ कानुनबमोजिम कारबाही करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री शाह सामाजिक सञ्जालमार्फत घटनामे मृत्यु भेल व्यक्तिप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत घायल भेल व्यक्तिसभक शीघ्र स्वास्थ्य लाभके कामना केलैन अइछ । घटनासँ प्रभावित परिवारके दुःख सरकार महसुस कएने कहैत ओ न्याय आ क्षतिपूर्ति उपलब्ध करेबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल उल्लेख केलैन ।

सुरक्षाकर्मीके गोली लाइग नागरिकके मृत्यु आ घायल हाेबाक विषय गम्भीर भेल कहैत प्रधानमन्त्री शाह ओइ बारेमे अनुसन्धान सुरु भ चुकल आ दोषीकेँ कानुनअनुसार कारबाही होबाक स्पष्ट केलैन । सरकार सम्पूर्ण घटनाके गम्भीर समीक्षा क रहल आ अइ प्रकारक घटना फेरसँ नै होए ओइ लेल आवश्यक निर्णय तथा सुधारक काज करबाक हुनक कहब छलैन ।

नागरिककेँ उत्तेजना, आक्रोश आ बदलाके भावना त्याइग संयम अपनेबाक लेल आग्रह करैत ओ सामाजिक सद्भाव, आपसी विश्वास आ सहिष्णुता कायम राखबाक लेल सबसँ आह्वान केलैन ।

प्रधानमन्त्री कहलैन,“फेरसँ आग्रह करैत छी, मनमे भेल क्रोध, डर, आक्रोशकेँ त्यागु । उत्तेजित कराबैबला कोनो काजमे नै लागू । सुरक्षित आ संयमित रहु । एक दोसरकेँ प्रेम आ सम्मान करु । सामाजिक सद्भाव कायम राखु ।”

नागरिकके पहिल धर्म नागरिकके जोगेनाइ रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कहलैन, “सरकारके सबसँ पहिल धर्म अपन नागरिककेँ सुरक्षित बना कसुरदारकेँ कारबाही करैत पीड़ितकेँ न्याय आ क्षतिपूर्ति दिएबाक छै । सरकार ई सब काज जल्दी करत ।”

सरकारक पहिल दायित्व नागरिकके सुरक्षा सुनिश्चित करबाक, पीड़ितकेँ न्याय दिएबाक आ दोषीकेँ कानुनी दायरामे आनबाक रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री शाह उक्त दायित्व पूरा करबाक लेल सरकार पूर्ण रूपमे प्रतिबद्ध रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय