सुनसरी घटनाः सरकार आ पीडित परिवारबीच सातबिन्दु सहमति


काठमाडौैँ, १५ साओनः सुनसरीके देवानगञ्ज गाउँपालिका–३, कप्तानगञ्जमे इएह साओन १० गते भेल घटनामे मृतक ओमप्रकाश मेहता आ जयप्रकाश मेहताके परिवार तथा सरकारबीच सातबिन्दु सम्झौता भेल अइछ । सम्झौताअनुसार सरकार मृतकद्वयकेँ शहिद घोषणाके प्रक्रिया तत्काल आगू बढ़ाएब आ मृतक परिवारकेँ प्रतिपरिवार १० लाख टका राहत उपलब्ध करेबाक प्रतिबद्धता जनौलक अइछ । घटनाके निष्पक्ष खोजबिन क दोषीउपर कारबाही कएल जाएत ।

देवानगञ्ज गाउँपालिका–३ स्थित मदरसाके कानुनी हैसियत सम्बन्धमे तत्काल खोजबिन शुरू होबाक भेल अइछ । सम्झौताअनुसार दुनु मृतक परिवारके योग्य एक–एक गोटे सदस्यकेँ रोजगारीके व्यवस्था कएल जेबाक आ खोजबिन समितिके सुझाव आधारमे मृतकसभके स्मरणमे गाउँपालिकाके उपयुक्त स्थानमे स्थानीय सरकारके समन्वयमे स्मृति उद्यान निर्माण कएल जाएत ।सम्झौतापत्रमे मृतक परिवारके प्रतिनिधि आ सरकारक दिससँ गृहमन्त्री सुधन गुरुङ हस्ताक्षर केलैन अइछ । सरकारक प्रतिबद्धता समयेमे कार्यान्वयन करबाक विश्वास पीडित परिवार व्यक्त केलक अइछ तँ सरकारक दिससँ सम्झौतामे उल्लिखित सब बुँदा चरणबद्ध रूपमे कार्यान्वयन कएल जेबाक जनौलक अइछ । मेहताद्वयके आइए अन्त्येष्टि कएल जाएत ।
(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय