जनकपुरधाम, १५ साओनः सप्तरीके सदरमुकाम राजविराज नगरपालिकाक विभिन्न क्षेत्रमे आइ भोर ५ः०० बजेसँ दोसर आदेश नै भेलाधैर कर्फ्यु आदेश जारी भेल अइछ ।
जिला प्रशासन कार्यालय आइ सूचना जारी करैत जिलामे शान्तिसुरक्षा कायम करए लेल जिला सुरक्षा समितिके निर्णयअनुसार कर्फ्यु आदेश जारी कएल गेल जनौलक अइछ ।
प्रमुख जिला अधिकारी श्यामकृष्ण थापाद्वारा जारी आदेशअनुसार राजविराज नगरपालिकाभित्र पुरबमे खाँडो, पश्चिममे हुलाकी राजमार्गके ढलही, उत्तरमे बसबिट्टी चौक आ दक्षिणमे कोशी पश्चिम मूल नहर तक कर्फ्यु आदेश जारी कएल गेल अइछ । (रासस)





