काठमाण्डू । सुनसरीक देवानगञ्जमे भेल हिंसात्मक घटनामे गोली लाइगकेँ गम्भीर रूपसँ घाइल भेल आरो एक युवकक उपचारक क्रममे निधन भऽ गेल अइछ ।
देवानगञ्ज गाउँपालिका–३ निवासी २१ वर्षीय रवीन्द्रकुमार मेहताक मंगलदिन काठमाडौँस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय शिक्षण अस्पताल, महाराजगञ्जमे उपचारक क्रममे निधन भेल अइछ । घटनाक दौरान रवीन्द्रक बामा जाँघमे गोली लागल छल । गोली लगलासँ मुख्य नस गम्भीर रूपसँ क्षतिग्रस्त भऽ गेल छल । प्रारम्भिक उपचार लेल हुनका विराटनगरस्थित विराट नर्सिङ होममे भर्ना कराओल गेल छल । ओतऽ हुनकर नसक शल्यक्रिया कएल गेल छल ।
स्वास्थ्य अवस्थामे सुधार नइँ अएलापर गत शुक्रदिन एयर एम्बुलेन्समार्फत थप उपचार लेल काठमाडौँस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय शिक्षण अस्पताल रेफर कएल गेल छल । मुदा चिकित्सकसभक निरन्तर प्रयासक बावजूद हुनकर स्वास्थ्य अवस्था आरो जटिल बनैत गेल आ अन्ततः मंगलदिन उपचारक क्रममे हुनकर निधन भऽ गेल अइछ ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रहरी उपरीक्षक (एसपी) पुष्पराज मल्ल सेहो उपचारक क्रममे रवीन्द्रक निधन भेलाक पुष्टि करैत कहलइन जे काठमाडौँसँ एहि सम्बन्धमे आधिकारिक जानकारी प्राप्त भेल अइछ ।





