गृहमन्त्री गुरुङ आ मृतक मेहताके परिवारबीच वार्ता शुरू


काठमाण्डू, १९ साओनः गृहमन्त्री सुधन गुरुङ आ इलाजक क्रममे मृत्यु भेल रवीन्द्र मेहताक परिवार बीच वार्ता शुरू भेल अइछ । महाराजगञ्जस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय शिक्षण अस्पतालमे  वार्ता शुरू भेल अइछ ।
इएह साओन १० गते राइतमे कोशी प्रदेशक सुनसरीस्थित देवानगञ्ज गाउँपालिका-३ कप्तानगञ्जमे भेल घटनामे घायल २२ वर्षीय मेहताके शिक्षण अस्पतालमे आइ निधन भेल अइछ।
अइसँ पहिने गृहमन्त्री सुधन गुरुङ आइए हिन्दू आ मुस्लिम समुदायक नेतासभसँ अलग अलग भेटवार्ता कएने छल । गृह मन्त्रालयमे भेल भेटमे दुनु समुदायक विभिन्न नेतासभके सहभागिता छल ।
बातचितमे पछिला समय देशक विभिन्न क्षेत्रमे देखाएल अवस्था, विवाद, शान्ति, सुरक्षा आ आपसी सद्भावक विषयमे बातचित भेल गृहमन्त्री गुरुङके सचिवालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय