जनकपुरधाम, २० साओनः सिरहाके लक्ष्मीपुर पतारी गाउँपालिका–६ स्थित सलोखरी, दास टोलसँ तीन गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
बितल राइत फूलबारीसँ गामदिस आइब रहल अवस्थामे प्रहरी पेस्तोल आ म्याग्जिनसहित सिरहाके लहान नगरपालिका २२ निवासी २१ वर्षीय सञ्जय दास, २० वर्षीय गुरुदेव दास आ लक्ष्मीपुर पतारी गाउँपालिका–६ निवासी २० वर्षीय सारबजित दासकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
गिरफ्तार कएल गेल तीनू गोटेके बारेमे थप अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाके प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेश बहादुर पाल बतौलैन । (रासस)





