काठमाण्डू, १ भादबः खाना बनाबएबला ग्यास अभावक समस्या समाधान करबाक लेल सासंदसभ सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।
आजुक राष्ट्रिय सभाक बैसारके शून्य समयमे सांसदसभ उक्त विषयमे राष्ट्रिय सभाक अध्यक्षमार्फत सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।
सांसद गीता देवकोटा पारदर्शी वितरण प्रणाली कायम करए, कालाबजारी नियन्त्रण करए तथा पर्याप्त ग्यास भण्डारणके व्यवस्था करबाक लेल माँग केलैन । सांसद रञ्जित कर्ण ग्यास अभावक कारण दैनिक जीवनमे समस्या भेलासँ ग्यासके विकल्प चुनबाक अवस्था आएल बतौलैन । तहिना, सांसद रोश्नी मेचे खाना बनाबएबला ग्यास सहज रूपमे उपलब्ध करेबाक लेल सरकारसँ माँग केलैन ।
शून्य समयमे बोलैत सांसदसभ रोल्पा, जाजरकोटलगायतक जिलामे प्राकृतिक विपदके कारण भेल जानमालके क्षतिप्रति दुःख व्यक्त करैत प्रभावित तथा विस्थापित परिवारकेँ राहत उपलब्ध करेबाक लेल माँग केलैन ।
सांसद मिना सिंह रखाल विपद केबल प्राकृतिक घटना नै भ पूर्वतैयारी, उद्धार आ राज्यके तत्काल उपस्थितिके परीक्षा सेहो भेल बतौलैन । सांसद चन्द्र बहादुर केसी प्रधानमन्त्रीके सीमासम्बन्धी अभिव्यक्ति फिर्ता लेबाक लेल माँग केलैन । सांसद राम कुमारी झाँक्री शान्तिपूर्ण निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल भूमिका निर्वाह करैबला गृहमन्त्री आ सुरक्षाकर्मीपर अनावश्यक लाञ्छना लगाएल गेल कहैत आपत्ति जनौलैन । (रासस)





