काठमाण्डू, ३ भादब : हाल देशभैर मनसुनी वायुके प्रभाव अइछ । हाल मनसुनके न्यूनचापीय रेखा सरदर स्थानके आसपास अइछ ।
जल तथा मौसम विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार आइ दुपहर साधारणतया मेघ लागत । हिमाली भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ । पहाड़ी भू–भागक अधिकांश स्थान, बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई भू–भागक किछ स्थान तथा मधेश प्रदेशसहित कोशी प्रदेशक तराई भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षाके सम्भावना अइछ । कोशी, बागमती, गण्डकी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ी भू–भागक एक–दू स्थानमे भारी वर्षाके सम्भावना अइछ । कोशी प्रदेशक तराई आ मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे हावाबिहाइरके सम्भावना अइछ ।
तहिना, आइ राइत देशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत । कोशी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराईमे साधारणतया मेघ तथा बाँकी तराई भू–भागमे आंशिक मेघ लागत । देशक हिमाली भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ । पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षाके सम्भावना अइछ । कोशी आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई भू–भागक किछ स्थान, मधेश तथा बागमती, गण्डकी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराईके किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षाके सम्भावना अइछ । (रासस)





