काठमाण्डू, ३ भादब: प्रेस काउन्सिल नेपालक नवनियुक्त चाइर सदस्य आइ कार्यभार शुरू कएने छैथ।
सञ्चारग्रामस्थित काउन्सिलमे आइ आयोजित एक कार्यक्रम बीच अध्यक्ष उमेश श्रेष्ठ सदस्यसभ नम्रता शर्मा, प्रकाशभक्त माथेमा, रविराज बराल आ उपासना घिमिरेकेँ शपथ ग्रहण करौबैत काउन्सिलक ऐन, कानुन, विनियमावली तथा कार्यविधि सहित सामग्री प्रदान केलैन।
अध्यक्ष श्रेष्ठ पत्रकारिता क्षेत्रक दिग्गज सदस्य भेटल कहैत आब अपनासभकेँ किछु नै किछु नवका परिवर्तन करए पडबाक बतौलैन।
काउन्सिलक मुख्य अधिकृत झविन्द्र भुसाल काउन्सिलक संस्थागत संस्कारक बारेमे संक्षिप्त जानकारी करौने छल। (रासस)





