काठमाण्डू, ४ भादब : अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले वैदेशिक सहायताके प्रभावकारी उपयोग तथा खर्च क्षमता बढ़ेबाक लेल जोड़ देलैन अइछ ।
सार्वजनिक लेखा समितिके आजुक बैसारमे ओ वैदेशिक अनुदानके मात्रा घइट रहल आ खर्च सेहो कम भेल बतौलैन ।
चालु बजेटमे वैदेशिक कर्जा दू खरब ४७ अरब आ अनुदान ६२ अरब प्रक्षेपण कएलाक बादो अनुदानक वास्तविक प्राप्ति १० सँ १५ अरबमे सीमित रहल अर्थमन्त्री वाग्ले बतौलैन ।
विश्व बैंक आ एसियाली विकास बैंकसँ नेपाल सहुलियतमे कर्जा प्राप्त करैत आएल मुदा, अतिकम विकसित देशसँ स्तरोन्नति हुअ लागल नेपालकेँ सहुलियतमे कर्जा प्राप्त नै होबाक परिस्थिति उत्पन्न भेल अर्थमन्त्री वाग्ले बतौलैन ।
बितल ५० सालमे नेपाल प्रर्याप्त सहुलियतपूर्ण कर्जा प्राप्त कएने मुदा, खर्च क्षमता नै भेलासँ खरिद प्रक्रिया आ प्रशासनिक देरीके कारण ओकर प्रभावकारी उपयोग नै भ सकल बतौलैन ।
बैसारमे महालेखापरीक्षक तोयम राय वैदेशिक सहायतामे सञ्चालन हुअबला परियोजनाके रकम समयमे खर्च होबाक वातावरण बनेबाक लेल जोड़ देलैन ।
महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके सहसचिव विष्णु ज्ञवाली वैदेशिक सहायतामे सञ्चालन हुअबला १४ अरब ९२ करोड़ लागतके एक सओ ५२ आयोजना रहल जानकारी देलैन । (रासस)





