काठमाण्डू, ७ भादब : ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री विराजभक्त श्रेष्ठ वर्षाक समयमे उत्पादन हुअबला अतिरिक्त विद्युत स्वदेशमे खपत करबाक लेल मौसमी विद्युत महसुल तथा बेसी विद्युत खपत करैबला ग्राहककेँ सहुलियत दरमे विद्युत उपलब्ध करेबाक व्यवस्था लागू करबाक तैयारी भ रहल बतौलैन अइछ ।
मोरङ उद्योग व्यापार सङ्घ आ उद्योग सङ्गठन मोरङके प्रतिनिधिसँ आइ विराटनगरमे भेल परामर्शमे मन्त्री श्रेष्ठ वर्षाक समयमे बेसी हुअबला विद्युत उत्पादनकेँ उद्योग तथा अन्य क्षेत्रमे अधिकतम उपयोग करएजका महसुल संरचनामे आवश्यक सुधार करबाक लेल सरकार केन्द्रित रहल बतौलैन ।
मन्त्री श्रेष्ठके सचिवालय अनुसार उद्योगके उत्पादन लागत घटेबाक, विद्युत खपत बढ़ेबाक आ प्रणालीमे उपलब्ध अतिरिक्त विद्युतकेँ स्वदेशमे उपयोग करबाक उद्देश्यसँ विद्युत महसुलकेँ थप व्यावहारिक बनेबाक विषयमे सरकार काज क रहल जानकारी देलैन ।
मन्त्री श्रेष्ठके कहब अनुसार सुनसरी–मोरङ क्षेत्रमे नौटा नयाँ सबस्टेसन थप कएल जाएत । उक्त सबस्टेसन सञ्चालनमे एलाक बाद अइ क्षेत्रमे विद्युत आपूर्ति थप विश्वसनिय आ दीर्घकालीन होबाक ओ बतौलैन ।
उद्योगी–व्यवसायी भोइग रहल विद्युतसम्बन्धी समस्या सरकारक लेल गम्भीर विषय भेल उल्लेख करैत मन्त्री श्रेष्ठ उद्योगकेँ निरन्तर आ गुणस्तरीय विद्युत उपलब्ध करेबाक तथा विद्युत प्रयोगक कारण उद्योगमे अनावश्यक अतिरिक्त भार नै परैजका महसुल समायोजन करबाक विषयमे सरकार संवेदनशील रहल बतौलैन ।
उद्योग स्थापना करएसँ पहिने आवश्यक विद्युत् क्षमता, प्रसारण लाइन र आपूर्ति संरचनाको उपलब्धताके बारेमे स्पष्ट जानकारी प्राप्त हाेबाक व्यवस्था आवश्यक रहल मन्त्री श्रेष्ठ बताैलैन । नेपाल विद्युत प्राधिकरण विभिन्न क्षेत्रमे उपलब्ध विद्युत क्षमता आ पूर्वाधारके बारेमे नियमित रूपमे उद्योगी–व्यवसायीकेँ जानकारी करेबाक तथा उद्योग स्थापना करएसँ पहिने विद्युत उपलब्धताके अवस्था स्पष्ट करैबला प्रणाली विकास करबाक हुनक कहब छलैन ।
आबैबला समयमे प्राधिकरण उद्योगी–व्यवसायीसँ नियमित संवाद क कोन क्षेत्रमे कतेक विद्युत उपलब्ध अइछ, थप क्षमता विस्तारके अवस्था की अइछ आ नयाँ उद्योगक लेल आवश्यक पूर्वाधार कहियाधैर तैयार हएत तइ बारेमे जानकारी करेबाक तैयारी भ रहल मन्त्री श्रेष्ठ बतौलैन ।
परामर्शमे उद्योगी–व्यवसायी औद्योगिक क्षेत्रक प्रतिस्पर्धात्मक क्षमता बढ़ेबाक लेल विद्युत आपूर्ति प्रणालीमे तत्काल सुधार आवश्यक रहल बतौने छलैन । नियमित आ गुणस्तरीय विद्युत आपूर्तिके सुनिश्चितता, बर्जु आ केरौन सबस्टेसनके निर्माण शीघ्र सम्पन्न करबाक तथा कटहरी औद्योगिक क्षेत्रमे विद्युत पूर्वाधार विस्तार करबाक ओसभ माँग केलैन ।
अइ बीच, उत्पादनमूलक उद्योगकेँ प्रोत्साहन करबाक लेल डिमान्ड शुल्क हटेबाक माँग सेहो उद्योगीसभके छैन । आन्तरिक विद्युत खपतके लेल आवश्यक अनुमति आ पूर्वाधार सुनिश्चित भेल तँ हमसभ ५ सँ ५० मेगावाटधैर विद्युत खपत करैजका लगानी करबाक लेल तैयार रहल ओसभ बतौलैन ।
तहिना, अरबसँ बेसी चुक्ता पुँजी भेल उद्योगकेँ अपने प्रयोजनक लेल विद्युत उत्पादन करबाक अनुमति देबाक उद्योगीसभक माँग छैन । विद्युत उपकरणके गुणस्तर आ सुरक्षासँ सम्बन्धित विषयमे सेहो उद्योगीसभ ध्यानाकर्षण करौलैन । ट्रान्सफर्मरके अनिवार्य पूर्वपरीक्षण तथा कन्डक्टर आ केबलके गुणस्तर परीक्षणकेँ प्रभावकारी बनेबाक ओसभ माँग केलैन ।
तहिना, विद्युतमे लगाएल गेल मूल्य अभिवृद्धि कर (भ्याट) हटेबाक उद्योगीसभक माँग छलैन । विद्युत महसुल आ अन्य लागत घटौलापर उत्पादन लागत कम होबाक आ नेपाली उद्योगक प्रतिस्पर्धात्मक क्षमता बढ़बाक उद्योगीसभक कहब छलैन ।
परामर्शमे विद्युत आपूर्ति, औद्योगिक पूर्वाधार, महसुल संरचना आ स्वदेशमे विद्युत खपत बढ़ेबाक उपायके बारेमे विचार आदानप्रदान कएल गेल छल । (रासस)





