महिला हिंसा अन्त्यके लेल कानुनी व्यवस्था कड़ा बनेबाक सांसदसभक माँग


काठमाण्डू, ८ भादब : महिला हिंसा अन्त्यके लेल कानुनी व्यवस्था कड़ा बनाबैत दोषीकेँ कठोर सजायके व्यवस्था करबाक सांसदसभ सरकारके ध्यानाकर्षण कराैलैन अइछ ।

प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारके आकस्मिक समयमे सांसदसभ हिंसाके घटना बइढ़ रहलासँ कड़ा कानुनी व्यवस्था अपरिहार्य भेल बतौलैन । तहिना, सड़क सुरक्षा, महिला तथा बालिकापर हुअबला हिंसा रोकबाक, विदेशमे मृत्यु भेल व्यक्तिके लहास स्वदेश आनबाक तथा विपद पीड़ितकेँ तत्काल राहत उपलब्ध करेबाक विषयमे सेहो ओसभ सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।

सांसद ऐन बहादुर महर सवारी चालक तथा साधनके लापरबाहीके कारण नागरिकके अकालमे मृत्यु भ रहल कहैत सड़क सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।

सांसद विपिन कुमार आचार्य विदेशमे रहल नेपालीकेँ अतिजरुरी काजमे स्वदेश एबाक व्यवस्था मिलेबाक लेल सरकारके गम्भीर होबाक लेल बतौलैन ।

सांसद प्रमिला कुमारी गच्छदार महिला सुरक्षासम्बन्धी ऐन कानुन अविलम्ब सदनमे प्रस्तुत करए तथा बालिकाके सुरक्षाके प्रत्याभूतिके माँग केलैन ।

सांसद मनिष झा जनकपुरमे पोखैर अतिक्रमण हटेबाक प्रयास जारी रहल कहैत सब किसिमक अतिक्रमणकेँ हटेबाक लेल जोड़ देलैन ।

सांसदसभ श्रद्धा कुँवर, बालावती शर्मा, सन्तोष राजवंशी, खड्क बहादुर बुढा, शाहजान खातुन, भरत बहादुर खड्का, प्रेम बहादुर बयेक, साजिदा खातुन सिद्धिकी, प्रकाश पाठक, नीनु कुमारी कर्ण, प्रमिला कुलुजु, रविन महतो, हरिमोहन भण्डारी आ सोम शर्मालगायत बालिका हत्याके विषयमे निष्पक्ष छानबिन आ कड़ा कारबाही तथा अन्य समसामयिक विषयमे सदन आ सरकारके ध्यानाकर्षण करौने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय