भारतद्वारा गहुम निर्यात खुला


रासस/सिन्ह्वा
नयाँदिल्ली, ९ भादब : कृषककेँ गहुमक नीक दाम दिया क आम्दानी बढ़ेबाक उद्देश्यसँ भारत सरकार गहुम तथा गहुमजन्य उत्पादनके निर्यातमे लगौने चाइर साल पुरान प्रतिबन्ध हटौलक अइछ । विदेश व्यापार महानिर्देशनालय (डीजीएफटी) द्वारा जारी सूचनाअनुसार गहुमक निर्यात नीति तत्काल लागू हुअजका ‘प्रतिबन्धित’ सँ ‘स्वतन्त्र’ मे परिवर्तन भेल अइछ ।

भारत सन् २०२२ के मेइ महिनामे घरेलु आपूर्ति आ मूल्य नियन्त्रण करबाक उद्देश्यसँ गहुम निर्यातमे प्रतिबन्ध लगौने छल । बितल समय देशमे गहुमक पर्याप्त मौज्दात रहल तथा उत्पादन सेहो बढ़लासँ कृषककेँ थप बजार उपलब्ध करेबाक उद्देश्यसँ निर्यात खुला कएल गेल सरकार जनौलक अइछ ।

आधिकारिक तथ्याङ्कअनुसार भारत सन् २०२५–२६ के बाली वर्ष (जुलाई २०२५–जुन २०२६) मे करिब १२ करोड़ छ लाख ५० हजार टन गहुम उत्पादन केलक अइछ । ई बितल बाली वर्षके तुलनामे २.३ प्रतिशत बेसी अइछ ।

खाद्य तथा सार्वजनिक वितरण सचिव सञ्जीव चोपड़ा गहुमक घरेलु मूल्य हाल कम रहलासँ निर्यात खुला करैतकाल मूल्यमे सुधार एबाक आ ओइसँ कृषकके आम्दानी बढ़बाक बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अइसँ अगिला बाली सिजनमे कृषककेँ गहुमक खेती बढ़ेबाक लेल प्रोत्साहित करबाक काज करत ।

देशमे पर्याप्त गहुम भण्डारण रहलासँ निर्यात खुला कएलापर घरेलु बजारमे आपूर्तिके समस्या नै होबाक सरकार जनौलक अइछ । निर्यातमार्फत कृषक थप बजार प्राप्त करबाक आ उत्पादनके उचित दाम प्राप्त करबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । तहिना, अगिला साल गहुम उत्पादन बढ़ेबाक लेल कृषककेँ प्रोत्साहन भेटत से सरकारके विश्वास अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय