काठमाण्डू । गृहमन्त्री सुधन गुरुङ त्रिशूली ३ ए जलविद्युत् आयोजनाक शुरूङसँ १० दिनके बाद दू व्यक्तिके जीविते उद्धार भेलासँ अखनो आशके किरण जीवित रहल बताैलैन अइछ ।
सामाजिक सञ्जाल फेसबुकमार्फत ओ निरन्तरके कठिन चुनौतीके बादो उद्धारमे खटल नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी,सशस्त्र प्रहरी बल आ सेन्टल कमाण्ड सेन्टरके टोलीप्रति धन्यवाद व्यक्त केलैन अइछ ।
आइ भोरमे त्रिशूली ३ ए जलविद्युत् आयोजनाक शुरूङमे फसल कर्मचारी सञ्जय साह आ कवीर महर्जनके उद्धार कएल गेल छल । अखनो उद्धार समूह शुरूङमे निरन्तर खटल जानकारी देलैन अइछ ।
गृहमन्त्री गुरुङ शुरूङसँ साह आ महर्जनके सकुशल उद्धारक समय हुनकासभके दुनु गोटे आ उद्धार टोलीकेँ हौसला प्रदान करबाक लेल उक्त ठामँमे पहुँचल छल ।
बाइढ़मे सम्पर्कविहीनके खोजी तथा उद्धारक लेल निरन्तर प्रयास केनिहार सांसदद्वय सागर ढकाल आ श्रीराम न्यौपानेके काजके उच्च कदर कएल गेल गृहमन्त्री गुरुङ उल्लेख केलैन। (रासस)





