काठमाण्डू, २० भादबः एगारह दिन पहिने रसुवाक भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़सँ नुवाकोटके विदुर नगरपालिका–१० बेत्रावती बजारक अधिकांश घर थालमाइटके तरमे दबा गेल। किछु बाइढ़मे बइह गेल तँ किछु घरमे थाले भीतरमे दबाएल अवस्थामे मृत भेटल।
मुदा, खोजी तथा उद्धारमे खटल सुरक्षा बलके संयुक्त समूह विनाशकारी बाइढ़मे दबाएल एकटा घरसँ ११म दिन एक महिलाक जीविते उद्धार केलक। समूह बेत्रावतीक आनन्दलाल श्रेष्ठके पत्नी ६४ वर्षीय चन्द्रीकाके आइ दुपहरमे जीविते उद्धार केलक।
प्रहरी निरीक्षक महेन्द्र दर्नालके कमाण्डमे खटल प्रहरी बेत्रावतीस्थित नदीक बगर तथा क्षतिग्रस्त संरचनामे आवश्यक खोजी जारी रखने छल। ओइ क्रममे आनन्दलालक चाइर तल्लाक घरके छतपर पहुँचलापर भीतरसँ आवाज सुनल गेल, प्रहरी निरीक्षक दर्नाल बतौलैन।
दबालमे छोट छेद करैत खोजी कएलापर भीतरसँ ‘बचाउ–बचाउ’ आवाज सुनाइत छल । “तकर बाद दबाल तोइड़ क हुनका उद्धार करबामे सफल भेलाैँ”, प्रहरी निरीक्षक दर्नाल कहलैन।
उद्धार कएल गेल चन्द्रीकाके नेपाली सेनाक हेलिकप्टरसँ वीरेन्द्र सैनिक अस्पताल छाउनी आनिक इलाज भ रहल अइछ। एखन हुनकर अवस्था मध्यम रहल प्रहरी जनौलक। (रासस)





