राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, २१ भदब : रसुवास्थित भोटेकोशी नदीमे इएह भादब १० गते आएल बाइढ़मे मृत्यु भेनिहारमध्ये अखनधैर एक हजार ३ सओ ४१ गोटेके शव भेटल अइछ, तँ चाइर हजार ४४ गोटे अखनो सम्पर्कविहीन अइछ ।
प्रहरी प्रधान कार्यालय नक्साल आइ भोर सार्वजनिक कएने विवरणअनुसार भेटल शवमध्ये ३ सओ २५ महिला, ५ सओ २३ पुरुष तथा ४ सओ ९३ टा शव पहिचान नै होबाक अवस्थाके अइछ । नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब महानिरीक्षक अविनारायण काफ्लेके कहब अनुसार अखनो चाइर हजार ४४ गोटे सम्पर्कविहीन अइछ ।
सम्पर्कविहीनमध्ये स्वदेशी पुरुष दू हजार ८ सओ ६३, महिला ५ सओ ७५ तथा विदेशी नागरिकदिस पुरुष २ सओ ६९ आ महिला ३ सओ ३२ आ अन्य पाँच गोटे रहल प्रवक्ता काफ्ले जानकारी देलैन ।
बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रमे बेपत्ताके खोजी तथा उद्धार काजकेँ सुरक्षा निकाय निरन्तरता द रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।
भेटल शवमध्ये एक हजार ३७ शव सुरक्षित रूपमे जमीनमे गाइड़ क व्यवस्थापन कएल गेल अइछ, तँ बाँकी शवके पहिचान तथा व्यवस्थापन प्रक्रिया भ रहल अइछ ।
बाइढ़के बाद अखनधैर नौ हजार एक सओ ५१ गोटे घायल व्यक्तिके उद्धार कएल गेल अइछ । उद्धार कएलमध्ये तीन हजार ९८ गोटेकेँ सुरक्षित रूपमे होल्डिङ सेन्टरमे राखल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
तहिना, मृतक एक हजार २ सओ ८६ गोटे तथा मृतकके परिवारजन एक हजार एक सओ ८६ गोटेसहित कुल दू हजार ४ सओ ७२ गोटेके ‘डिएनए’ नमूना सङ्कलन कएल गेल अइछ ।
बेपत्ताके पहिचान तथा शवके सनाखतके लेल ‘डिएनए’ नमूना सङ्कलनकेँ प्राथमिकतासहित आगु बढ़ाएल गेल प्रवक्ता काफ्ले बतौलैन ।
भोटेकोशी बाइढ़सँ पैघ मानवीय क्षति भेल अइछ । बाइढ़मे बेपत्ता भेल व्यक्तिसभक खोजी, उद्धार तथा शव व्यवस्थापनक लेल नेपाल प्रहरीसहित सुरक्षा निकाय आ सम्बन्धित विभिन्न सरकारी निकाय निरन्तर परिचालित अइछ ।





