तीन दिनमे ८७ हजार ग्यास सिलिण्डर काठमाण्डू आयात


काठमाण्डू, २१ भादब : पृथ्वी राजमार्गअन्तर्गत धादिङके कृष्णभीरमे सड़क धसलाक बाद बितल तीन दिनमे वैकल्पिक मार्गसँ ८७ हजारसँ बेसी सिलिण्डर ग्यास काठमाण्डू आयात कएल गेल अइछ । नेपाल आयल निगम अनुसार विभिन्न १८ टा कम्पनी बारा, पर्सा, मकवानपुर, चितवन, नवलपरासी, धनुषा तथा महोत्तरीमे रहल उद्योगसँ ‘रिफिलिङ’ क ८७ हजार ८ सओ ७७ टा सिलिण्डर काठमाण्डू आयात कएल गेल अइछ ।

इएह भादब १८ गते २४ हजार ४ सओ ९४, भादब १९ गते ३४ हजार एक सओ ३४ आ भादब २० गते २९ हजार २ सओ ४९ टा सिलिण्डर उपत्यका आयात कएल गेल निगमके प्रवक्ता मनोज ठाकुर जानकारी देलैन । मुख्य राजमार्ग अवरुद्ध भेलाक बाद निगम काठमाण्डू उपत्यका तथा आसपासक क्षेत्रमे वैकल्पिक मार्गमार्फत पेट्रोलियम पदार्थ आ एलपी ग्यासके आपूर्ति निरन्तर करा रहल अइछ ।

इएह भादब १४ गते त्रिशूलीके कटानक कारण पृथ्वी राजमार्गके कृष्णभीरमे सड़क अवरुद्ध भेलासँ इन्धन रहल ट्याङ्कर तथा ग्यास बुलेट रास्तामे रोकल गेल छल । ओइके बाद निगम वैकल्पिक मार्ग प्रयोग क तराईके उद्योगमे भड़ल ग्यास सिलिण्डर काठमाण्डू आयात करबाक व्यवस्था केलक अइछ । ग्यास आपूर्तिकेँ सहज बनेबाक लेल सार्वजनिक बिदाके दिनमे सेहो ‘रिफिलिङ’ आ ढुवानी नियमित करबाक लेल ग्यास उद्योगकेँ निगमद्वारा निर्देशन देल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय