काठमाण्डू, २४ भादबः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली २०८२ भादब २३ आ २४ गते भेल घटनाके गम्भीर खोजबिन क दोषीकेँ कानुनी कारबाहीके दायरामे अनाए पडबाक बताैलैन अइछ ।
तत्कालीन समयमे प्रधानमन्त्रीसमेत रहल एमाले् अध्यक्ष ओली आइ एक प्रेस वक्तव्यमार्फत भादब २३ गतेके युवा प्रदर्शनमे गोली लाइग क जान गेल युवाप्रति श्रद्धाञ्जली व्यक्त करैत घायलके शीघ्र स्वास्थ्यलाभके कामना केलैन अइछ । ओ तकर बादके घटनामे कर्तव्यपालनाके क्रममे जान गेल प्रहरीप्रति सेहो श्रद्धाञ्जली व्यक्त केलैन अइछ ।
अध्यक्ष ओली लोकतन्त्रमे नागरिक सरकारसमक्ष अपन अपेक्षा, असन्तुष्टि आ माँग प्रस्तुत करब स्वाभाविक भेल उल्लेख करैत संविधान शान्तिपूर्ण रूपमे जमा भ क विरोध करब तथा लोकतान्त्रिक माध्यमसँ सरकार गठन, पुनर्गठन आ परिवर्तन करबाक अधिकार सुनिश्चित कएल बताैलैन अइछ ।
अपन नेतृत्वके तत्कालीन मन्त्रिपरिषद बैसार घटनाके न्यायिक खोजबिनक लेल आयोग गठन करबाक, सामाजिक सञ्जालमे लगाएल गेल अस्थायी प्रतिबन्ध हटेबाक, घायलके निःशुल्क इलाज तथा पीडितपरिवारकेँ क्षतिपूर्ति देबाक निर्णय कएल स्मरण करैत अध्यक्ष ओली उक्त दुःखदायी घटनाके नैतिक जिमेवारी ल तत्कालीन गृहमन्त्री राजीनामा देने सेहो वक्तव्यमे उल्लेख अइछ ।
अध्यक्ष ओली बितल भादब २४ गते राष्ट्रपति भवन, प्रधानमन्त्री निवास, सिंहदरबार, संसद भवन, सर्वाेच्च अदालत, राजनीतिक दलके कार्यालय तथा सार्वजनिक आ निजी सम्पत्तिमे भेल आइगजनी, तोड़फोड़ आ आक्रमणकेँ दुःखदायी क्षणके रूपमे लेबाक उल्लेख केलैन अइछ । (रासस)





