अगस्ट महिना विश्वेके उच्च तापक्रम


पेरिस, २५ भादब (रासस/एएफपी) :
युरोपेली संघ (इयु)के जलवायु अनुगमन सेवा कोपर्निकस अइ अगस्ट महिनाकेँ विश्वभैर रेकर्ड कएल गेल सबसँ बेसी गरम महिना भेल जनौलक अइछ । उक्त अवधिमे समुद्री सतहके तापक्रममे सेहो अभूतपूर्व उचाइमे पहुँचल आ पश्चिमी युरोप असाधारण गर्मीके सामना केलक अइछ ।

कोपर्निकसअनुसार अगस्टमे विश्वके औसत हावाके तापक्रम १६.९६ डिग्री सेल्सिअइ पहुँचल छल । ई सन् २०२३के जुलाईमे कायम मासिक कीर्तिमानसँ ०.०१ डिग्री सेल्सिअइ बेसी अइछ । अन्तर कम भेलोपर दुनु महिनाकेँ संयुक्त रूपमे सबसँ गरम मानल गेल अइछ ।

कोपर्निकसके सामन्था बर्गेस कम्तीमे पछिला एक लाख सालमे अखन जकाँ उच्च तापक्रम नै आएल बतौलैन ।

संयुक्त राष्ट्रसंघ जीवाश्म इन्धनके प्रयोगमे कमी नै आएल तँ पृथ्वीमे आओर गम्भीर जलवायु असर होबाक चेतावनी देलक अइछ । संयुक्त राष्ट्रसंघके जलवायु प्रमुख साइमन स्टिल जीवाश्म इन्धनप्रतिके मानवताके निर्भरता विश्वव्यापी जलवायु सङ्कट बढ़ा रहल बतौलैन ।

इएह बीच, अगस्टमे समुद्री सतहके तापक्रम सेहो उच्च विन्दुमे पहुँचल आ महासागरमे लगातार तीन महिनाधैर तापक्रममे नयाँ कीर्तिमान कायम भेल कोपर्निकस जनौलक अइछ । हरितगृह ग्याससँ उत्पन्न अतिरिक्त तापके ९० प्रतिशतसँ बेसी समुद्रमे विलय भेलासँ समुद्री जीव, प्राकृतिक संरचना आ तटीय समुदायमे गम्भीर असर भ रहल वैज्ञानिकसभ बतौलैन ।

वैज्ञानिकसभ विश्वव्यापी उत्सर्जन नियन्त्रण नै कएल गेल तँ जलवायुके अवस्था आओर चरम बनैत जेबाक चेतावनी देलक अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय