धादिङ, २७ भादबः नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)क संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रमे अस्थायी व्यवस्थापनसङे स्थायी पुन:र्निर्माण आ पुनःस्थापनाके काजकेँ प्राथमिकता देबाक चाही बताैलैन ।
धादिङके गल्छीस्थित बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रके आइ स्थलगत अवलोकनबाद ओ बाइढ़सँ पैघ मानविय तथा भौतिक क्षति भेल उल्लेख करैत आब पुन:र्निर्माणके काज महत्त्वपूर्ण रहल बतौलैन । “भौतिक क्षति बहुते भेल छै । आब बाइढ़ प्रभावितक लेल राहतसङे अस्थायी आ स्थायी पुन:र्निर्माण तथा पुनःस्थापनाके काजमे ध्यान केन्द्रित करए पड़त”, ओ कहलैन ।
संयोजक दाहाल विपदके लगले नेकपा शुरूएसँ पहल करैत आएल बतौलैन । प्रभावित क्षेत्रमे उद्धार तथा राहतमे सक्रिय होबाक लेल आह्वान कएल आ तकर बाद बैसारसँ विपदके अवस्थाबारे बातचित कएल गेल हुनकर कहब छैन ।
विपद व्यवस्थापनसम्बन्धी अनुभव भेल पार्टी नेता गङ्गालाल तुलाधरके नेतृत्वमे काजके संयोजन करबाक लेल समिति गठन कएल गेल आ पार्टीके नेता तथा कार्यकर्ताकेँ प्रभावित क्षेत्रमे परिचालन कएल गेल बतौलैन ।
बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रमे पार्टीके युवा सङ्गठन योङ कम्युनिष्ट लिग (वाइसीएल) कएल काजके प्रशंसा केलैन । दाहाल आइ बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रके स्थलगत अवस्थाबारे जानकारी लेबाक लेल धादिङके गल्छी आएल छैथ । (रासस)





