युएईकेँ हराबैत नेपाल एसिया कपमे छनाैट


काठमाण्डू, २७ भादबः तेसर संस्करणके एसिसी प्रिमियर कप एक दिवसीय प्रतियोगिताके उपाधि नेपाली पुरुष राष्ट्रिय क्रिकेट टोली जीतल अइछ । आइ मलेसियामे भेल फाइनल खेलमे युनाइटेड अरब इमिरेट्स (युएई) केँ ४४ रनसँ हराबैत नेपाल दोसर बेर प्रिमियर कपके उपाधि जीतने छै ।

नेपाली समूह सन् २०२७ मे बङ्गलादेशमे आयोजन होएबला एक दिवसीय एसिया कपके लेल छनाैट भेल अइछ । नेपाल दोसर बेर एसिया कपमे गेल अइछ। नेपाल अइसँ पहिने सन् २०२३ मे युएईकेँ हराए क एसिया कपमे गेल छल ।

नेपालके ३१४ रन लक्ष्यकेँ युएई ४९ दशमलव एक ओभरमे २६९ रनमे अलआउट भेल। युएईक लेल राुहल चोपरा १०५ बलमे तीन चौका आ चाइर छक्कासहित अविजित १०० रन बनेलक ।

एहिने सोयब खान ५२, तानिस सुरी ४२, हरप्रीत सिंह ३३ आ खुजैमे तनवीर १५ रन बनेलक । नेपालक लेल बलिङदिस करण केसी तीन, ललित नारायण राजवंशी दू, कप्तान सन्दीप लामिछाने, दीपेन्द्रसिंह ऐरी, रोहित कुमार पौडेल आ गुलशन कुमार झा एक/एक विकेट लेलक ।

अइसँ पहिने मलेसियाके क्वालालाम्पुरस्थित बायुमास ओभलके मैदानमे टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित ५० ओभरमे नौ विकेटके क्षतिमे ३१३ रन बनौने छल । नेपालक लेल ओपनर तथा विकेटकिपर आसिफ शेख शतक बनेलक । ओ १०६ बलमे आठ चौका आ चाइर छक्कासहित १०२ रन बनौने छल।

एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे आसिफके ई दोसर शतक छी । एहिने, आइ गुलशन कुमार झा ३८ बलमे चाइर छक्का आ तीन चौकाके मद्दतसँ ५२ रन बनेलक ।

एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीयमे गुलशनके ई छैठम अर्धशतक अइछ । एहिने, अर्जुन कुमाल ४३, रोहित कुमार पौडेल ४०, दीपेन्द्र सिंह ऐरी १८, बसिर अहमद अविजित १५ आ ईशान पाण्डे १३ रन बनेलक ।

युएईक लेल बलिङमे इब्रार अहमद चार, खुजैमे तनवीर दू तथा हैदर अली, अबीद उस्मानी एक/एक एक विकेट लेने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय