अध्यक्ष ओलीकेँ ध्यानाकर्षणपत्र


काठमाण्डू, २८ भादब : छापा माध्यम बचाउ सुझाव कार्यदल लोककल्याणकारी विज्ञापनबापत उपलब्ध कराएल जाएबला रकम कटौती नै करबाक लेल आग्रह करैत नेकपा (एमाले) के अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीकेँ ध्यानाकर्षणपत्र हस्तान्तरण केलक अइछ ।

कार्यदलक प्रतिनिधि आइ एमाले केन्द्रीय कार्यालय, च्यासलमे अध्यक्ष ओलीकेँ भेट क छापा सञ्चारमाध्यम भोइग रहल समस्या आ चुनौतीबारे जानकारी कराबैत लोककल्याणकारी विज्ञापनके रकम कटौती नै करबाक लेल आग्रह केलक । छापामाध्यमके आर्थिक अवस्था कमजोर बैन रहल अवस्थामे लोककल्याणकारी विज्ञापनके रकम कटौती भेलासँ सञ्चारमाध्यमके नियमित प्रकाशन तथा पत्रकारके रोजगारीमे प्रत्यक्ष असर पड़त से कार्यदल जनौलक अइछ ।

कार्यदल छापामाध्यमके संरक्षण आ प्रवर्द्धनक लेल राज्यसँ उपलब्ध होइत आएल लोककल्याणकारी विज्ञापनकेँ निरन्तरता देबए तथा एकर रकम कटौती नै करबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलक अइछ । नेपाल पत्रकार महासङ्घ, उपत्यका प्रदेश कमिटीके दिससँ गठन कएल गेल कार्यदलक संयोजक दामोदर दवाडी आ प्रतिनिधिसभ छापामाध्यमके वर्तमान अवस्था, आर्थिक सङ्कट तथा सञ्चार क्षेत्रके लम्बा समयधैर टिकेबाक लेल आवश्यक नीतिगत व्यवस्थाके विषयमे सेहो अध्यक्ष ओलीसँ परामर्श कएने छल । अध्यक्ष ओली हमसभ प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता एवं लोककल्याणकारीके पक्षमे रहले स्पष्ट केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय