एसियाली खेलकुदके लेल नेपालक क्रिकेट टोली घोषणा


काठमाण्डू, २८ भादब : जापानमे अगिला आसिनमे हुअबला २०म संस्करणके एसियाली खेलकुद प्रतियोगिताके लेल नेपाली पुरुष राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीके घोषणा कएल गेल अइछ । नेपाल ओलम्पिक कमिटी आइ दीपेन्द्रसिंह ऐरीके कप्तानीमे १५ सदस्यीय टोली घोषणा केलक अइछ ।

टोलीके अन्य सदस्यमे रोहित कुमार पौडेल, सन्दीप लामिछाने, आसिफ शेख, कुशल भुर्तेल, आरिफ शेख, लोकेश बम, सन्दीप जोरा, सोमपाल कामी, करण केसी, गुल्शन कुमार झा, कुशल मल्ल, नन्दन यादव, ललितनारायण राजवंशी आ शेर मल्ल छैथ । टोलीके मुख्य प्रशिक्षकमे स्टुअर्ट ल छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय