काठमाण्डू, ३० भादब : शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोखरेल आ नेपालक लेल बेलायतके राजदूत रब फेन बीच शिष्टाचार भेटवार्ता भेल अइछ ।
सिंहदरबारस्थित मन्त्रालयमे आइ हुनकासभ बीच भेल भेटमे नेपालक शिक्षा तथा खेलकुद क्षेत्रमे दू पक्षीय सहकार्यकेँ थप निरन्तरता देबाक विषयमे बातचित भेल छल । तहिना, नेपाल–बेलायत बीचक ऐतिहासिक सम्बन्ध, आपसी सहयोग तथा आपसी सहकार्यमे केन्द्रित रहि परामर्श भेल छल ।
भेटक क्रममे मन्त्री पोखरेल विद्यालय शिक्षा सुधारक लेल मन्त्रालय विभिन्न नीतिगत तथा संरचनागत सुधारक काज आगु बढ़ाएल गेल जानकारी देलैन । विद्यालय शिक्षासम्बन्धी महत्वपूर्ण नीतिगत दस्तावेजके रूपमे रहल शिक्षा ऐन निर्माणक प्रक्रिया आगु बइढ़ रहल आ ओइमे आवश्यक सुधारक विषय सेहो समेटबाक मन्त्री पोखरेल बतौलेन । विद्यालय शिक्षाके राष्ट्रिय पाठ्यक्रम प्रारूप परिमार्जन, शिक्षकके पेसागत विकास तथा डिजिटल शिक्षाके क्षेत्रमे सेहोन मन्त्रालय काज क रहल मन्त्री पोखरेल बतौलैन ।
नेपालक शिक्षा तथा खेलकुद क्षेत्रमे बेलायत सरकार करैत आएल सहयोगप्रति आभार व्यक्त करैत मन्त्री पोखरेल मन्त्रालय आगु बढ़ौने सुधारक कार्यक्रमक उपयुक्त सन्दर्भमे बेलायत सरकारसँ सहकार्य करबाक लेल तैयार रहल बतौलैन । तहिना, आबैबला समयमे शिक्षा तथा खेलकुद क्षेत्रमे नेपाल–बेलायत सहकार्यकेँ निरन्तरता देबाक विश्वास सेहो ओ व्यक्त केलैन ।
भेटमे बेलायती राजदूत फेन नेपालक शिक्षा तथा खेलकुद क्षेत्रसँ सहकार्य बेलायत सरकारक लेल महत्वपूर्ण रहल बतौलैन । शिक्षा क्षेत्रमे बेलायत सरकार करैत आएल सहयोगकेँ आबैबला दिनमे सेहो निरन्तरता देबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
रसुवाके भोटेकोशी बाइढ़सँ प्रभावित क्षेत्रक विद्यालय शिक्षकके पेसागत विकासक लेल ब्रिटिस काउन्सिलमार्फत सहकार्य करबाक विषयमे परामर्श भ रहल ओ जानकारी देलैन । जलवायुजन्य विपदके सामना क रहल अवस्थामे बेलायत सरकार नेपाल सरकारके साथमे रहल ओ बतौलैन । (रासस)





